नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

आखिर कांग्रेस चाहैत कि अछि ?

दिग्विजय सिंह के बाद चिदम्बरम के विवादास्पद बयान सं आखिर कि संकेत मिलैत अछि ? दिग्विजय सिंह आओर चिदम्बरम दूनु कांग्रेस आओर केंद्र मे नीक हैसियत राखय छथिन्ह. पार्टी...सरकार मे दूनु के नीक स्थिति छनि. फेर एहन कोन बात अछि जे दूनु एहन बचकाना बयान द रहल छथिन्ह. एहि बयान के पाछां किछ-नहि-किछ त जरूर छिपल अछि?

अपन बयान सं लोक के उकसाबय के कोनो खास मकसद त जरूर अछि. कि ई सरकार अपन वोट बैंक के बचाबय के लेल करि रहल अछि आ फेर कोनो खास समुदाय के अपना तरफ करय लेल. किएक त विकिलिक्स के खुलासा मे सेहो कहल गेल अछि जे मुम्बई हमला के बाद कांग्रेस ओकर सांप्रदायिक रंग द राजनीतिक फायदा उठाबय के कोशिश करलक.

त कि कांग्रेस एक तीर सं कई वार करय चाहैत अछि? दिग्विजय सिंह के बयान सं जतय एक खास समुदाय के अपना तरफ लाबय के कोशिश कएल गेल ओतय आरएसएस आओर बीजेपी के दामन दागदार करय के कोशिश सेहो भेल. एहि सभ के संग सभ सं पैघ कोशिश विपक्ष के तरफ सं चलि रहल जेपीसी के मांग सं लोक के ध्यान हटाबय के रहल.

जखन दिग्विजय के बयान पर काफी हो हल्ला भेल... जेपीसी आओर भ्रष्टाचार के खिलाफ जंग वाला मामला किछ कमजोर भेल....फेर चिदम्बरम जी अपन बयान द ओकरा एकदम सं हाशिया पर डालय के प्रयास करलखिन्ह. लोक सभ किछ छोड़ि क एहि दूनु मामला पर चर्चा करि रहल छथिन्ह. सभ पेपर... सभ चैनल मे इहे मामला छायल अछि.

अहां कहि सकय छी सरकार....आओर कांग्रेस काफी हद तक अपन मकसद मे कामयाब रहल अछि. कॉमनवेल्थ गेम्स... आदर्श सोसायटी घोटाला... मंहगाई... टूजी स्पेक्ट्रम घोटाला सभ सरकार के लेल गला के हड्डी बनल अछि. मुदा दिग्विजय आओर चिदम्बरम के बयान के बाद लोक के ध्यान ओहि सं हटि क एहि पर फंसि गेलन्हि. संसद के मौजूदा सत्र सेहो खत्म भ गेल अछि. अगिला सत्र तक सरकार निश्चिंत.

पहिने विवादास्पद बयान द फेर ओहि सं आ त मुकरि जाउ आ फेर ओकरा वापस ल लिअ...मामला खत्म. आओर अहां के जे अहम मुद्दा सं लोक के ध्यान हटाबय के मकसद छल सेहो पूरा. कांग्रेस आब एहने राजनीति करि रहल अछि. कि जनता ओतेक बुड़बक अछि जे सरकार के चाल नहि समझि रहल अछि. आ फेर नेता सभ अपना के बेसि चालाक समझय छथिन्ह?
Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

1 टिप्पणी:

  1. Alok Punj : "...boss abb to kendra sarkar par janata ko taras aane lagi hai...kabhi congress ke yuvraj Rahul Gandhi...RSS ki tulna simmi se karte hai...kabhi Digvijaya Singh desh ke liye shahid huey shahido ki shahadat par utpatang betuka vyan dete nazar aate hai...abb desh ke home minister jimmedar pad par baith kar gair jimmedar vyan dene me lage hai...etne sare ghotalo me fasi sarkar janata ka dhyan divert karne ke liye hi uljalool baatein karte fir rahey...ess tarah ki gandi rajniti karnewale BIHAR KE CHUNAV PARINAM SE SABAK LE...VARNA AANEWALE WAQT ME AISEY RAJNETAO KA NAAM LENEWALA BHI NAHI RAHEGA.........jai hind...."

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु