नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

सुपरपावर भारत आ पिद्दी भारत?

भारत के बीच-बीच मे सुपर पावर होए के खुशफहमी भ जाएत अछि. भने विश्व मंच पर कोनो खास हैसियत नहि होए मुदा अपना मे फूलैत रहय छथि जे हम विश्वशक्ति छी. हम विकसित देश छी. औकात के पता त तखन चलैत अछि जखन दुनिया के सामने होए छी.

आब देखिऔ 4 दिसंबर के भारतीय राजदूत मीरा शंकर के अमेरिका के मिसिसिपी हवाई अड्डा पर तलाशी लेल गेलन्हि. किएक त ओ साड़ी पहनने छलीह. हवाई जहाज सं जाए वाला 30टा सवारी मे सं सिर्फ मीरा शंकर जीक तलाशी लेल गेल.

जखन कि ओ अपना के राजनयिक होए के सबूत सेहो देलखिन्ह...आओर हुनका संग एकटा अधिकारी सेहो छल. ई सभ भारत के नीचा देखाबय लेल कएल गेल. जब कि किछिए दिन पहिने अपना सभ ओबामा के भारत यात्रा के दौरान पलक बिछा देने छलहुं.

एहन पहिल बेर नहि भेल. एहि सं पहिने भारतीय रक्षा मंत्री...भारतीय विमानन मंत्री...भारतीय सुपर स्टार शाहरुख खान ( आओर शायद पूर्व राष्ट्रपति सेहो) सभ ओहि ठामक सुरक्षा जांच के सामना करि चुकल छथिन्ह.

सुरक्षा तलाशी के लsक भारत अपन विरोध जताबैत अछि मुदा अमेरिकी रवैया मे कोनो बदलाव नहि आबैत अछि. मंत्री सभ बयान मे अपन खेद जता दय छथिन्ह मुदा कोनो फर्क नहि पड़ैत अछि.

आब भारत के ढीला-ढाला रवैया सेहो देखिऔ जे चारि तारीख के तलाशी के शिकायत 7दिन बाद ग्यारह तारीख के कराएल गेल. देश छोट हो आ पैघ सम्मान सभ सं पैघ चीज अछि. मुदा अमेरिका भारत के अपमान पर अपमान करैत जा रहल अछि.

ओबामा भारत आबि सुरक्षा परिषद के झुनझुना थमा अरबों रुपया के बिजनेस करि चलि गेलाह. मुदा विकिलिक्स के खुलासा सं पता चलैत अछि जे ओ सभ भीतरे-भीतर भारत के कतेक मजाक उड़ाबैत अछि.

घटना के सात दिन बाद जे भारत शिकायत दर्ज करौलक ओ पहिने करबाक चाही छल आओर कहबाक छल जे अगर एहिना जारी रहत त हमहुं ओहिना करय लेल विवश भ जाएब.

सबक सीखाबय लेल जे राजनयिक के बुलाsक शिकायत दर्ज कराएल गेल हुनके तलाशी ल बताएल जा सकैत छल जे सुरक्षा जांच आओर तलाशी के कि मतलब होएत अछि से देखिऔ... मुदा एकरा लेल हिम्मत चाही.

ई हिम्मत देखल जाए त सिर्फ चीन मे अछि. अमेरिका के बाद कोनो बड़गर देश अछि त ओ चीन अछि. कोनो देश ओकर कोनो आदमी के छू के त देख लौ. ओ ताल मचा दैत अछि.

भारत भने अपना के सुपर पावर मानैत होए मुदा अमेरिका... चीन... रुस... जापान... फ्रांस... जर्मनी... कनाडा... ब्रिटेन...ऑस्ट्रेलिया के आगां कतहुं नहि टिकैत अछि. एकटा छोट-मोट देश इजरायल सभ के पानि पिऔने रहैत अछि.

अहां के सुरक्षा के एक -एकटा सामान के लेल दोसर देश के मुंह ताकय पड़ैत अछि. राइफल... गोली... बारूद... बम... हेलीकॉप्टर... विमान... प्रशिक्षण विमान... विमानवाहक पोत...बुलैटप्रुफ सं लsक ताबूत तक के लेल अहां विदेश पर निर्भर छी.

परमाणु ऊर्जा... तेल... कम्प्यूटर हार्डवेयर... मोबाइल... संचार उपकरण.... कार आओर दोसर वाहन सभ अहां विदेश सं मंगाबय छी. अरबों रुपया विदेश जा रहल अछि.

देश सं हर साल लाखों विद्यार्थी विदेश पढ़य लेल जाएत अछि. करोडों रुपया पढ़ाई लेल विदेश चलि जाएत अछि. देश मे पढ़ाई के नीक व्यवस्था नहि अछि. आओर अहां विकसित राष्ट्र होए के दम भरय छी. देश के बड़का संस्थान तक अहांके दुनिया के टॉप-20 तक मे नहि आबैत अछि.

जतय देश के राजधानी सुरक्षित नहि होए. पुरुष-महिला कोई सुरक्षित नहि होए. कखनो किछ भ सकैत अछि. बुनियादी सुविधा नीक सं नहि मिलैत होए. ओ अपना के सुपरपावर केना मानि सकैत अछि?

देश के राजधानी आओर आसपास के एनसीआर इलाका मे अहां सप्लाई होए वाला पानि बिना फिल्टर कएने नहि पी सकय छी. जखन कि ई सभसं बुनियादी सुविधा अछि. दुनिया के अधिकतर देश मे सप्लाई वाला पानि अहां बिना फिल्टर कएने पी सकय छी.

मुदा भारत मे आब त बोतल वाला पानि गाम-गाम तक पहुंत गेल अछि. विदेशी कंपनी पानि...आलू चिप्स सं पाई बना भारत के बेवकूफ बना रहल अछि. ओ पाई पीट रहल अछि...आओर हम खुश होएत रहय छी.

किछ दिन पहिनहिं दिल्ली मे एकटा घायल मरीज एहि लेल मरि गेल... किएक त तीन टा सरकारी अस्पताल हुनका सुविधा के कमी के हवाला द भर्ती करय सं इनकार करि देलक. जखन राजधानी के ई हाल त देश के कि होएत?

जतय देश के करीब आधा आबादी गरीब होए... पढल-लिखल नहि होए...लोक के पास रोजगार नहि होए. आजादी के एतेक वर्ष बादहुं रोटी...कपड़ा... मकान... पढ़ाई... साफ पानि... रोजगार... स्वास्थ्य सुविधा के नीक व्यवस्था नहि होए. ओ अपना के विकसित होए के ढोल केना पीट सकैत अछि?
Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु