नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

चिदंबरम जी एकरा पढु...

आई-काल्हि चारु कात...हर ठाम केंद्रीय गृहमंत्री पी चिदम्बरम के बयान पर चर्चा भ रहल अछि. गृहमंत्री के कहनाय छनि जे दिल्ली मे होए वाला अपराध के लेल बाहरी लोक जिम्मेदार अछि. चिदम्बरम जीक साफ कहनाय छनि जे बाहरी लोक रोजी-रोटी के तलाश मे दिल्ली आबि एहि ठाम क्राइम करय लगैत अछि.

एहन बयान पहिल बेर नहि आएल अछि. दिल्ली के मुख्यमंत्री शीला दीक्षित सेहो एहन आरोप लगा चुकल छथीह. असल मे सरकार अपन नाकामी के छुपाबय लेल एहन बयान द लोक के भावना के भड़का असल मुद्दा के हाशिया पर डालि दैत अछि. सीडब्ल्यूजी...आदर्श घोटाला...दूरसंचार घोटाला... टेपिंग मामला के असल मलाई खाए वाला के बचाबय लेल ऐना भ रहल अछि. छोट-मोट कार्रवाई आओर सिर्फ इस्तीफा देला सं असली गुनहगार सामने नहि आएत?. घोटाला के पाए गेल त कतय?

मुदा ई दोसर मामला अछि. अखन चर्चा देश के राजधानी दिल्ली पर. राजधानी दिल्ली सेहो लोक के लेल सुरक्षित नहि रहि गेल अछि. ई कानून-व्यवस्थाक प्रॉब्लेम अछि. मुदा कि सरकार एकर उपाय करय के जगह दोसर के दोषी ठरहाएत? दिल्ली मे कोन राज्य के लोक नहि अछि? कि दिल्ली मे हुनकर राज्य के लोक नहि छथिन्ह? कि दिल्ली मे हिमाचल...पूर्वोत्तर... कर्नाटक....आओर साउथ के लोक नहि रहय छथिन्ह? कि दिल्ली मे मराठी... पंजाबी...राजस्थानी लोक नहि छथिन्ह? आखिर हुनकर निशाना पर के अछि?

चिदम्बरम जी जखन ई बयान देलखिन्ह ओहि टाइम दिल्ली के मुख्यमंत्री शीला जी हुनका संग मौजूद छलीह ? आखिर ओ बाहरी मे ककरा मानय छथिन्ह? बांग्लादेश सं आएल लोक के बाहर भेजय के जगह वोट बैंक बनाबय के कोशिश करय छथिन्ह आओर देश के नागरिक के देश मे कतहुं आबय जाए पर ... बसय पर पाबंदी लगाबय चाहय छथिन्ह. कि ओ दिल्ली मे सेहो जम्मू-कश्मीर जकां लोक के बसय पर रोक लगाबय चाहय छथिन्ह. हुनकर मंशा कि छनि?

चिदंबरम जीके ई साफ करबाक चाही कि दोसर ठाम के लोक दिल्ली कि अपराध करय लेल आबय छथिन्ह? अगर मानि लेल जाए अपराध करय लेल आबैत अछि त फेर अहांक सुरक्षा-व्यवस्था एतेक लचर किएक अछि? नहि त अहां आतंकवादी सभ पर लगा पाबैत छी नहि छोट -मोट अपराध पर. दिल्ली मे खुलेआम गैंगरेप भ जाएत अछि...बीच सड़क पर गोली मारि देल जाएत अछि . पुलिस के कतहुं पता नहि रहैत अछि. जखन दिल्ली मे ई हाल त देश के दोसर ठाम के अहां समैझि सकैत छी.

दोसर राज्य के लोक...दोसर ठाम के लोक एहिठाम कमाए-खाए लेल आबैत अछि कि अपराध करय लेल? सभ लोक आ त नौकरी करय छथिन्ह आ फेर छोट-मोट बिजनेस...चाहे तरकारी बेचय... ठेला लगाबय आ फेर रिक्शा चलाबय के किएक नहि होए. किछ स्थानीय लोक जल्दी पाए कमाए के आस मे... अपन आसपास के लोक के पाए सं प्रभावित करय लेल छीनाझपटी करैत अछि आ फेर लूटपाट.

आई टाइम्स ऑफ इंडिया पढ़य छलहुं ओहि मे साफ देल अछि जे दिल्ली पुलिस के रिकॉर्ड के मुताबिक दिल्ली मे होए वाला क्राइम मे ज्यादातर लोकल लोक शामिल अछि. आ त दिल्ली के आ फेर आसपास के एनसीआर इलाका के. पुलिस रिकॉर्ड के अनुसार एहि मे पश्चिमी उत्तर प्रदेश- हरियाणा के एनसीआर इलाका के लोक बेसि शामिल रहैत अछि. प्रतिशत के हिसाब सं देखल जाए त अपराध मे शामिल लोक मे स्थानीय लोक 83 % आओर बाहरी सिर्फ 13 % अछि.

चिदंबरम जी पहिने पूरा चीज देख लिउ तखन बाजय करु नहि त साफ बता दिऔ अहां के निशाना पर के अछि. ओना आई-काल्हि बिहारी के प्रगति सं दोसर इलाका वाला जलय छथिन्ह. आ फेर बिहार मे मिलल कांग्रेस के करारी हार के लेल त अहां बिहारी के निशाना त नहि बना रहल छी. आखिर अहांक पार्टी के युवराज राहुल गांधी के करामात बिहार मे नहि चलल. बिहार के हार नहि पचा पाबि रहल छी आओर एहि बहाने भ्रष्टाचार सं लोक के ध्यान सेहो बंटाबय चाही रहल छी की?







Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

4 टिप्‍पणियां:

  1. Satish Kumar Mishra : "chidambram ke vit mantri sa grih mantri banenai galat chhal jai desh ke grih mantri ke apan rashtr bhasha nahi aabaiya o ki grih ke chalait"

    जवाब देंहटाएं
  2. Kailashpati Mishra : "congress k bera gargk"

    जवाब देंहटाएं
  3. Sheshnath Mishra : "thik kahal hitendra jee....apradhi tan sirf aparadhi hoit aich...okar kono jait,dharm...wa state san kono relation nahi aich....sanghi chor chor masiyout bhai banaito deri nahi lagait aich....Delhi Govt ke aparhi sabhak assosition ke hit karay parat....okar supporting link toray partaik...."

    जवाब देंहटाएं
  4. ashish jha - समेटू बोरि‍या बि‍स्‍तर आ चलू अपन देस, चि‍तू भाई क कहब अछि‍ हमर सबहक नहि‍ रहल इ देश.

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु