नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

अलग मिथिला राज्य केर मांग

दिल्ली के जंतर-मंतर पर शुक्र दिन 10 तारीख के अलग मिथिला राज्य केर लेल धरना देल गेल. ई धरना अंतरराष्ट्रीय मैथिली परिषद आओर दोसर संस्था के तरफ सं देल गेल. हिनकर सभक कहनाय छलनि जे मिथिला राज्य केर मांग आजादी के बाद बनल प्रथम राज्य पुनर्गठन आयोग के समय सं भ रहल अछि... मुदा सरकार अनठिऔने अछि.

धरना-प्रदर्शन केर अगुवाई डॉ धनाकर ठाकुर जी करलखिन्ह. धऱना के बाद राष्ट्रपति के नाम सं एकटा ज्ञापन अधिकारी के सौंपल गेल. हिनका सभक कहनाए छलन्हि जे आजादी के बादहिं सं मिथिला इलाका के संग पक्षपात कएल गेल... भेदभाव कएल गेल. ई इलाका देश के सभ सं पिछड़ल इलाका मे सं एक अछि.

धनाकर जीक कहनाए छलन्हि जे इलाका के विकास बिना अगल राज्य बनौने संभव नहि अछि. मुदा लगैत अछि जे सरकार गांधीवादी विचारधारा पर आधारित आंदोलन पर ध्यान नहि द रहल अछि. ई सरकार के लेल एकटा शर्मनाक स्थिति अछि जे ओ बिना हिंसा के बात नहि सुनैत अछि. ओ ईहो कहलखिन्ह जे सरकार के मिथिलावासी के धैर्यक परीक्षा नहि लेबाक चाही.

अगल मिथिला राज्य के मांग के लsक अगिला सोमदिन संसद के सामने प्रदर्शन कएल जाएत. सोमदिन होए वाला प्रदर्शन मे अखिल भारतीय मिथिला राज्य निर्माण समिति... अखिल भारतीय क्षेत्रीय विकास एवं भाषा आंदोलन... अखिल भारतीय प्रवासी मिथिला विकास संगठन आओर बिहार कल्याण मंच के संग करीब दर्जन भरि संगठन के कार्यक्रता हिस्सा लेताह

Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

2 टिप्‍पणियां:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु