नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

एहिना मिलत मिथिला राज्य?

शनि दिन 4 तारीख के नोएडा स्टेडियम मे विद्यापति स्मृति पर्व समारोह भेल. समारोहक टाइम देल गेल छल सांझ सात बजे. मुदा गीतनादक कार्यक्रम शुरू भेल राति के ग्यारह बजे. राति के पौने दस बजे सं ग्यारह बजे राति धरि मुख्य अतिथि बीजेपी नेता राजनाथ सिंह जीके स्वागत होएत रहल.

विद्यापति स्मृति पर्व समारोह यानी आम लोक के लेल मैथिली गीतनादक कार्यक्रम. अगर गीतनाद के कार्यक्रमे लेट सं शुरू होए त कि कहबै? अहां सोचि सकय छी हमरा जैसन आम लोक जे ओहिठाम टाइम सं पहुंचि गेल छलखिन्ह सांझ के सात बजे ओ केना टाइम काटने होतिन्ह?

शनि दिन दिल्ली के बदरपुर-जैतपुर मे सेहो विद्यापति पर्व समारोह रहय. भ सकैत अछि आयोजन ई सोचैत होताह जे ओहिठाम कार्यक्रम खत्म होए त एहिठाम शुरू करि. ओना नोएडा- जैतपुर के बीच करीब 18-20 किलोमीटरक फासला अछि. तखनो आयोजक किछ दर्शक के आबय के उम्मीद राखए होताह.

ओना गायक कुंज बिहारी मिश्र जी जैतपुर मे अपन कार्यक्रम द एहिठाम अएलाह. हिनका गाना पर लोक थापड़ि सेहो जमि क बजएलाह. मुदा हिनका सभ के ई सोचबाक चाही जे ई गाम नहि अछि आओर दिल्ली एनसीआर जैसन मेट्रो मे लोक के टाइम के बड़ कीमत होएत अछि.

आयोजक सभ अपने जकां दोसरो के खाली समझय छथिन्ह जे जखन के मन भेल टाइम द देलौं... जखन मन भेल शुरू करि देलौं. कार्यक्रम के देरी सं शुरू करय के एकटा मजेदार कारण देखिऔ... जे अहां सभ कम संख्या मे छलहुं तैं मुख्य अतिथि के सम्मान करय के कार्यक्रम शुरू नहि कएलौं. आब एकर कि जवाब अछि अहां के पास?

खैर मुख्य अतिथि के स्वागत करय के कार्यक्रम शुरू भेलाह के बाद लागल जे ई कोनो समारोह नहि घरक फंक्शन अछि. स्टेज पर मौजूद सभ लोक...आयोजन समिति सं जुड़ल सभ लोक आओर नहि जाने कोन -कोन लोक के जे मुख्य अतिथि के माला पहनाबए के शुरू करलखिन्ह त ई सिलसिला खत्म होए के नामे नहि लए.

मुख्य अतिथि माला उतारि पाछां रखथिन्ह आओर फेर ओ माला दोसर लोक के पास के माध्यम सं पहिना देल जाए. राजनाथ सिंह के संग नोएडा के कैलाश अस्पताल के मालिक महेश शर्मा...आओर पूर्व विधायक नवाब सिंह नागर के सेहो सम्मान कएल गेलन्हि. महेश शर्मा सांसद के चुनाव लड़ल छलाह बीजेपी सं मुदा जीत नहि पएलाह.

राति के ग्यारहल तक विद्यापति स्मृति पर्व समारोह मैथिल कार्यक्रम नहि लागि बीजेपी के कार्यक्रम लगैत राहल. एनाउंसर महोदय राजनाथ सिंह... महेश शर्मा जीक तारीफ पर तारीफ करैत जा रहल छलखिन्ह. मिथिला राज्य केर मांग सेहो करय छलखिन्ह.

मुदा कि बीजेपी अखन एहि स्थिति मे अछि जे ओ अहांक मांग के पूरा करि सकय? राजनाथ सिंह जीक बीजेपी मे अखन कोन हैसियत छनि? चुनाव हारि चुकल महेश शर्मा जी मैथिलीक लेल कोन पहाड़ ढारि देथिन्ह? त कि एहि मे... हिनका सभ के लाबय मे आयोजन समिति के कोनो हित जुड़ल छल की?

कि अहां के मैथिली... मिथिला सं जुड़ल कोनो महापुरुष... विद्वान... पंडित नहि मिललाह? कि मिथिलाक कोनो नेता... लीडर एहन नहि छल जिनका अहां मुख्य अतिथि बनाsक लएतौं? कि मिथिला के एकोटा आदमी एहन नहि छथिन्ह जिनका पर अहांक भरोस होए?

अगर एहन बात अछि त फेर किएक मिथिला राज्य के मांग करैत छी? जतय के एकटा नेता अहन नहि अछि त फेर मिथिला राज्य ल क की करब? किनका मुख्यमंत्री बनाएब आओर किनका गृहमंत्री आओर दोसर मंत्री? किहओ मंत्री बनए लेल हम छी न !

कि मिथिला नेतृत्व विहीन भ गेल अछि? किनका बल पर अहां मिथिला राज्य पाएब? बीजेपी के बल पर? मिथिला राज्य बीजेपी के मांग अछि आ आम लोक के? कि ई मांग पार्टी सं जुड़ल अछि? नहि त फेर अहां मिथिला राज्यके आंदोलन के कोनो पार्टी सं किएक जोड़य छी? सभ पार्टी के सहयोग किएक नहि लैत छी?

अगर अहां अलग मिथिला राज्य़ चाहय छी त सभ पार्टी के किएक नहि जोड़य छी? अखन केंद्र मे ककर सरकार अछि आओर राज्य के मांग पर कोन सरकार ध्यान द सकैत अछि? अगर दिल्ली मे कांग्रेस के सरकार आओर कांग्रेस एहि मांग विचार करि सकैत अछि त अहां ओकर कोनो मंत्री के सेहो किएक नहि बुलएलौं?

ह अगर ई मानि क चलि रहल छी जे बीजेपी जेहिआ केंद्र मे सरकार बनाएत तखन मांग के जोर सं आगां बढ़ाएब तखन दोसर गप अछि. भ सकैत अछि जे बीजेपी के एहि लेल पकड़ने होए कि बीजेपी राज्य बनाएत त अपन मंत्री बनय के संभावना बेसि रहत. तखन ठीक रास्ता धएने छी.

आखिर केंद्र सरकार अहां के कोन आधार पर मिथिला राज्य देत? बस एहि पर कि हम 5 करोड़ मैथिल भाषी छी. अगर पांच करोड़ सं बेसि मैथिल भाषी छी त फेर अहां के अतेक मे एकटा एहन व्यक्ति त अहां के नहि मिलल जिनका अहां सम्मान करि पएतौं. जिनका अहां सभ अतिथि बना क लएतौं ! कि मिथिला मे कोनो एहन नेता अछि जिनका आवाज पर सभ मैथिल ठाड़ भ जएथिन्ह?

पांच करोड़ सं बेसि बाजए वाला छी मुदा पूरा उत्तर बिहार घुमि आउ कतहुं अहां के मैथिली मे कोनो दोकान... स्कूल-कॉलेज...अस्पताल... स्टेशन...बीडीओ-सीओ ऑफिस...आ दोसर ठाम कोनो बैनर-पोस्टर मैथिली मे देखाएत हो? पचास किताब के दोकान देखि लिअ कोनो मे मुश्किल सं एक- दूटा मैथिलीक किताब मिलत.

कोनो मिडिल स्कूल मे चलि जाउ कतहुं मैथिली मे पढ़ाई होएत अछि की? आयोजन समिति सं जुड़ल कतेक पदाधिकारी के बाल-बच्चा मैथिली मे लिखय जानए छथिन्ह? कि एहिना मे मिलत मिथिला? बस दस-बारह लोक मिल क जंतर-मंतर पर धरना द अहां मिथिला राज्य चाहैत छी?

आओर मिथिला राज्य कि सिर्फ किछ खास समुदाय सं जुड़ल अछि की? दोसर छोड़ु एहि विद्यापति समारोह के देखल जाउ सं मंच सं मुख्य अतिथि के माला पहिनाबय वाला जतेक लोक के नाम के घोषणा कएल गेल ओहि मे 90प्रतिशत सं बेसि लोक मिश्र... झा... ठाकुर आओर कर्ण आ लाल दास जी छलाह. कि अहां बिना आम लोक के जोड़ने मिथिला राज्य ल लेब?
Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

6 टिप्‍पणियां:

  1. Hitendra Jee
    Namaskar
    Ahak kahab 100% theek achhi Vidyapati Parv ke ayojak sab aab aayojan san kam apna lel besi sochait chatheen e sab vidyapati parvak naam par apan marketing karait chhathi aur neta sab ke janabay chahait chhaith je dekhu hamra sang katek aadmi achhi. Hinka sab ke mithila rajya so kono lena dena nahi chhin sirf apan phayda chahi.
    Vidwan aa gyani bhandar Mithila me hinka sab ke kiyo maithil nahi bhatlain jakra Mukhya atith banbitaith sarmak baat achhi. Hinka sab se ki hoyat chhin je BJP ke rajya me Maithili ke Ashtam suchi me naam bheti gel tahina Rajya seho bani jayat. E sabse phaigh bhul chhin BJP me o Yug Purus (Vajpayee) Nahi rahlaik je bajait chhalah se pura karait chlah.
    Dhanyabad

    जवाब देंहटाएं
  2. Ekdam sahi Dayakant jee...sab apan dukaan chamkabai me laagal chhaith.

    जवाब देंहटाएं
  3. karykram ka vivran padhkar bahut khadab laga .soche the aane ka lekin kitna achcha hua ki nahi aaye .

    जवाब देंहटाएं
  4. हितेन्द्रजी प्रश्नक बौछार केने छथि, समाधान सेहो खोजैथ।

    जवाब देंहटाएं
  5. Pravin jee sehe t kahlaun a.... ki ena milat mithila rajya... ehi le lel ahanke rajya ke mang karay wala kichh thekedaar sab san gap karai parhat...

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु