नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

एनसीआर मे एकहिं दिन दू ठाम विद्यापति समारोह...

दिल्ली मे बदरपुर-फरीदाबाद सं सटल जैतपुर मे विद्यापति स्मृति पर्व समारोह मनाएल गेल. समारोह मे मैथिलीक मशहूर गायक कुंज बिहारी मिश्र ... हरिनाथ झा... कुमकुम मिश्र ... रामबाबू झा...अंजू झा...माधव राय आओर दोसर कलाकार सभ अपन गीतनाद सं लोक के मंत्रमुग्ध करि देलखिन्ह. कार्यक्रम मे लोकक भारी भीड़ उमड़ल छल. एहिठामं दिल्ली-फरीदाबाद दिसक बड़ लोक आएल छलखिन्ह.

एहिठामक विद्यापति समारोहक मुख्य अतिथि छलखिन्ह गंगेश गुंजन जी आओर कार्यक्रमक उद्घाटन करलखिन्ह विजय चंद्र झा जी. विजय चंद्र झा जी अखिल भारतीय मिथिला संघक अध्यक्ष छथिन्ह आओर मैथिली-मिथिलाक विकास मे जुड़ल रहय छथिन्ह. अपन पर्सनल प्रॉब्लम के पाछां राखैत दिन-राति मिथिलाक चिंता मे लागल रहय छथि.

मुदा एकटा चीज अखरल जे दिल्ली-एनसीआर (दिल्ली...नोएडा... गाजियाबाद... फरीदाबाद...गुड़गांव) मिथिला-मैथिली सं जुड़ल संगठन सभ मे आपस मे कोनो तालमेल नहि छनि. ओ सभ अपने मे मस्त रहय छथिन्ह. बस अपन सुविधा अनुसार कार्यक्रम तय करि लैत छथिन्ह. संगठन सभ सं जुड़ल लोक के मिथिला-मैथिलीक असल चिंता नहि रहय छनि. बस भाषणबाजी.

आब देखिऔ 4 दिसंबर के दिल्ली के बदरपुर-जैतपुर मे विद्यापति स्मृति पर्व समारोह मनाएल गेल आओर एहि दिन नोएडा स्टेडियम मे सेहो विद्यापति स्मृति पर्व समारोह मनाएल गेल. आब कलाकार...गायक-गवैया सभ सेहो मुश्किल मे... कुंजबिहारी मिश्र जी पहिने बदरपुर- जैतपुर गेलाह फेर नोएडा. दस दिन मे दिल्ली एनसीआर मे चारि ठाम विद्यपति समारोह. आब तालमेल के बारे मे अंदाजा लगा सकय छी.

अगर दू दिन राखल गेल रहैत त लोक अलग-अलग दूनु कार्यक्रमक... समारोहक आनंद उठा सकैत छलाह. मुदा हिनका सभ के अपन राजनीति सं मतलब रहय छनि. आब नोएडा मे देखु कार्यक्रम पौने दस बजे बीजेपी नेता राजनाथ सिंह जी के माला पहिनाबय सं शुरू भेल... राति के ग्यारह बजे धरि लोक सभ हुनकर स्वागते करैत रहलखिन्ह आओर भाषणबाजी होएत रहल.

गीतनाद के कार्यक्रम ग्यारह बजे के बाद शुरू भेल... जखन कि कार्यक्रम शुरू होए के टाइम सात बजे देल गेल छल. आओर अध्यक्ष महोदय के एक्सक्यूज देखिऔ जे अहां सभ बेसि लोक नहि आएल छलहुं तैं लेल कार्यक्रम शुरू नहि करि रहल छलहुं. ई त एहिना भेल जे ट्रेन प्लेटफॉर्म पर ता धरि रुकल रहल जा धरि कोनो सवारी चढ़य लेल नहि आबि गेल.

नोएडा वाला विद्यापति समारोह मैथिली-मिथिलाक कार्यक्रम नहि लागि क बीजेपी के कार्यक्रम लागैत छल. आओर लागैत छल आ त अपन जतेक जान-पहचान वाला छथिन्ह आ फेर जतेक लोक चंदा देने छथिन्ह हुनका सभ सं मुख्य अतिथि राजनाथ सिंह के माला पहना स्वागत करौलखिन्ह. कि एहने सं मैथिली-मिथिलाक कल्याण होएत. दर्शक दीर्घा सं किछ लोक टोंट कसैत कहबौ करलखिन्ह जे अगर आओर लोक चाही त दर्शकों सभ सं स्वागत करबाए दिऔं.

ओ त ग्यारह बजे के बाद कार्यक्रम शुरू भेलाह के बाद लोक गीत-संगीत के कार्यक्रम नीक रहल जे लोक ओहि मे रमि गेलाह... नहि त हिनका सभक कार्यक्रम मे अतेक अव्यवस्थाक आलम रहय छनि जे लोक आबय सं कतराएत रहय छथिन्ह. ओ त मैथिली-मिथिलाक प्रेम अछि जे लोक ओतेक कष्टों के बावजूद आबि जाए छथिन्ह आओर जमल रहय छथिन्ह.
Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु