नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

मरीज के लेल हवाई सेवा शुरू

दरभंगा सं सीरियस मरीज सभ के इलाज के लेल हवाई सेवा शुरू भ गेल अछि. उत्तर बिहार आओर नेपाल सं बड़ लोक इलाज के लेल दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच आबय छथिन्ह. बिहार- नेपाल के बीमार लोक के लेल दरभंगा- लहेरियासराय मे नीक व्यवस्था अछि. मुदा कई बेर बेसि सीरियस मरीज के एहि ठाम सं पटना आ दिल्ली ट्रांसफर कएल जाएत अछि. मुदा मरीज के पटना-दिल्ली ल जाए मे बड़ समय लगि जाएत अछि.


एहन मे कई बेर मरीज के आगां के इलाज नीक सं नहि भ पबैत अछि. मुदा आब एहन नहि होएत. आब मरीज के परिजन तुरंत हवाई जहाज सं हुनका बड़का अस्पताल मे इलाज के लेल ल जा सकय छथिन्ह. ई जरूर अछि जे अखन ई सेवा पटना-दिल्ली के लेल नहि अछि. ई सेवा कोलकाता के लेल अछि. मुदा कोलकाता मे सेहो बड़का -बड़का नीक अस्पताल अछि. जतए नीक इलाज भ सकैत अछि. मरीज के जान बचाएल जा सकैत अछि.

फेर अखन कोलकाता शुरू भेल अछि... आगां पटना-दिल्ली के लेल सेहो शुरू भ जाएत. ओना सभ किछ नीक रहत त दरभंगा सं पटना के बीच अगिला मास सं यात्री सेवा शुरू होए के सेहो उम्मीद अछि. एहि सं लोक के बड़ फायदा मिलतन्हि. समय पर इलाज के संग-संग दोसर काज सेहो भ सकय छनि. हा ई थोड़े अछि जे इलाजे के लेल सीट बुक कराएल जाउ. दोसर बड़ जरूरी काज अछि त चारि आदमी के लेल हवाई जहाज बुक करा लिअ.

कोलकाता वाला हवाई सेवा मेडिको सुपर स्पेशलिटी अस्पताल के तरफ सं शुरू कएल गेल अछि. एहि लेल दरभंगा मे एकटा सेंटर खोलि देल गेल अछि. अहां ओहि सेंटर आ फेर 094312-07211 पर फोन क हवाई जहाज मे सीट बुक करा सकय छी. एहि के लेल अहां के चालीस हजार रुपया खर्च करय पड़त.

एतेक पाई मे अहां मरीज के संग एक आदमी आओर एकटा डॉक्टर के सेहो ल जा सकय छी. हवाई जहाज मे सेहो इलाज के सुविधा उपलब्ध कराएल गेल अछि. चालीस हजार मे मरीज के आबय-जाए के खर्च शामिल अछि.

पहिने साठि हजार के बात कहल गेल छल... मुदा हवाई फीस चालीस हजार राखल गेल. जगह बुक कराबय सं पहिने पूरा जानकारी ल लेल करब जेहि सं आगां कोनो परेशानी नहि होए. हवाई जहाज के सुविधा अहां के फोन पर जगह बुक करएला के दू घंटा के अंदर मिल जाएत. दरभंगा हवाई अड्डा सं मरीज के ल जाsक कोलकाता के मेडिको सुपर स्पेशलिटी अस्पताल मे भर्ती कराएल जाएत. आओर हां ई सेवा अहां के दिने मे मिलत... राति मे नहि.

ओना त एहि अस्पताल के पास खुद सभ सुविधा मौजूद अछि. 500 बेड के अतिआधुनिक बड़का अस्पताल अछि. मुदा अगर अहां दोसर कोनो अस्पताल मे इलाज कराबय चाहय छी त सेहो करा सकय छी. एहि अस्पताल मे बाइपास सर्जरी के फीस 99 हजार रुपया...न्यूरोलॉजी के फीस तीन लाख रुपया...एनजियोग्राफी के फीस 6450 रुपया...किडनी ट्रांसप्लांट के फीस 2.40 लाख रुपया...आओर डायलिसिस के फीस 800 रुपया अछि. भर्ती कराबय सं पहिने अहां देल गेल नंबर पर फोन क सभ जानकारी ल सकय छी.

आओर बेसि जानकारी चाही त अहां
Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु