नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

एहने बिहार चाहय छल कांग्रेस...

मंगलदिन 30 तारीख के भोर मे दिल्ली मे एकटा दुर्घटना के बाद किछ लोक एकटा घायल आदमी के एक अस्पताल सं दोसर अस्पताल मे इलाज के लेल गुहार लगाबैत रहलखिन्ह मुदा इलाज नहि भेल. ओ घायल एम्बुलैंस मे दम तोड़ि देलक. मुदा डॉक्टर... सरकारी अधिकारी के दिल नहि पसीजल. डॉक्टर जिनका हम-अहां भगवान मानए छी आजुक काल मे ओ पैसा के पाछां संवेदनहीन बनि गेल छथिन्ह.

दिल्ली जतय देश के सभ सं पैघ-पैघ अस्पताल अछि ओतय घायल के लsक एंबुलैंस पांच घंटा धरि घुमैत रहल. मुदा एकटा नहि दिल्ली के तीन-तीन टा अस्पताल इलाज करय सं इनकार करि देलक. घायल पांच घंटा धरि तड़पला के बाद दम तोड़ि देलक. कोनो अस्पताल कहलक जे कागजी काज पूरा होए सं पहिने इलाज नहि करब त कोनो बहाना करलक जे इलाज के पूरा सुविधा नहि अछि.

ई दिल्ली के हाल अछि. दिल्ली... देशक राजधानी... जतय राष्ट्रपति... प्रधानमंत्री... आओर सभ मंत्री... एमपी के संग शीला दीक्षित जीक कांग्रेसी सरकार सेहो विराजमान अछि. एतेक मंत्री एमएलए... एमपी... अफसर कोर्ट के रहैत दिल्ली आब आम लोक के लेल सुरक्षित नहि रहल गेल. एहि ठाम घोटाला... भ्रष्टाचार के बोलबाला भ गेल अछि.

बेसि दिन नहि भेल. विधानसभा चुनाव प्रचार के दौरान राहुल गांधी आओर कांग्रेसक तमाम बड़का नेता बिहारक दौरा कएलाह. प्रचार अभियान के दौरान सभ नेता कहैत रहलाह कि बिहार मे विकास चाहैत छी त कांग्रेसक सरकार लाउ. केंद्र आओर राज्य दूनु ठाम कांग्रेस सरकार रहत त राज्यक नीक विकास होएत.

प्रचार करय लेल दिल्ली... महाराष्ट्र... राजस्थान आओर दोसर राज्य के क्षेत्रीय नेता सभक संग सभ केंद्रीय नेता कहैत रहलखिन्ह जे हमर कांग्रेस शासित राज्य के देखु कतेक विकास भ रहल अछि. ओ सभ दिल्ली आओर महाराष्ट्र के तुलना करैत छलखिन्ह. दिल्ली के मुख्यमंत्री दी सेहो गेल छलीह प्रचार करय लेल.

बिहार के विकास के जरूरत अछि मुदा ओहन नहि जेहन कांग्रेस दिल्ली आओर महाराष्ट्र मे करि रहल अछि. विकास के नाम पर कांग्रेस सरकार जनता के पाई के बंदरबांट करि रहल अछि. घोटाला पर घोटाला भ रहल अछि. भ्रष्टाचार बढ़ि रहल अछि. आदर्श हाउसिंग सोसायटी घोटाला... 2जी स्पेक्ट्रम घोटाला... सीडब्ल्यूजी घोटाला जैसन एक पर एक घोटाला सामने आबि रहल अछि. मुदा सरकार कार्रवाई करय सं हिचकि रहल अछि.

सरकार डरि रहल अछि. सरकार मामला के टालय चाहैत अछि. सरकार चाहैत अछि कि किछ दिन के बाद मामला शांत पड़ि जाएत आओर सभ किछ पहिने जकां भ जाएत... आओर एहि बीच कोनो दोसर मामला आबि जाएत त लोक ओहि मे फंसि जएताह. फेर लोक के कोनो चीज कतेक दिन याद रहैत अछि.

मुख्य सतर्कता आयुक्त पी जे थॉमस के नाम के लsक सेहो बवाल भ रहल अछि. हिनका नियुक्त करय के समय विपक्ष विरोध जतएने छल. बीजेपी नेता सुषमा स्वराज एहि पर एतराज जताबैत कहने छलीह जे थॉमस के नियुक्ति सही नहि अछि किएक त हिनका खिलाफ मामला पड़ल अछि...आओर जे खुद पाक साफ नहि ओ दोसर के की जांच करताह.

सीडब्ल्यूजी मामला मे रोज कतहुं न कतहुं छापा पड़ि रहल अछि. ओ त सुप्रीम कोर्ट के कारण सरकार देह-हाथ डोलाबय लेल मजबूर अछि. नहि त लाखों -करोड़ एम्हर ओम्हर भ गेल आओर... मामला सं ध्यान बंटाबय लेल कांग्रेसी नेता सभ अनेरे आरएसएस के सुदर्शन के बयान पर हो-हल्ला करि रहल छल.

सुरक्षा के मामला देखिऔ त बिहार सं खराब हाल दिल्ली के अछि. मुदा एहि पर कोनो कांग्रेसी के जबान नहि खुलत. दिल्ली मे कोनो नहि कोनो ठाम सं अहां के रोज मर्डर...लुटपाट... छेड़छाड़... रेप जैसन खबर मिल जाएत. एहि मामला मे बिहार के ई सभ भने बदनाम क देने होथिन्ह मुदा बिहार दिल्ली सं बेसि सुरक्षित अछि.

एकरा अहां कि कहबय ? कि कांग्रेस एहने बेदर्द...घोटाला-भ्रष्टाचार सं पटल सरकार... बिहार के सेहो देबय चाहय छल. जतय लोक के पानी... इलाज जैसन बुनियादी सुविधा के लेल मारल-मारल फिरय पड़ैत अछि.
Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु