नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

वोटिंग खत्म आब गिनती पर नजर

बिहार विधानसभा चुनाव के वोटिंग खत्म भेल. चुनाव के बाद आब लोक सभ के नजर वोटक गिनती पर लागल छनि. गिनती 24 नवंबर के अछि. 24 तारीख के दोपहर बाद तक तस्वीर काफी किछ साफ भ जाएत.

बिहार विधानसभा के 243 सीट के लेल छह चरण मे वोट पड़ल. मतदान लsदsक शांतिपूर्ण रहल. चुनाव आयोग एहि के लेल बधाई के पात्र अछि. सुरक्षा के सेहो कड़ा इंतजाम कएल गेल छल.

एहि बेर वोटिंग मे लोक सभ सेहो बढ़ि-चढ़ि क शामिल भेलखिन्ह. नक्सली आओर दोसर बॉयकॉट के एलान पर ध्यान नहि द भोरे सं लाइन मे लागल रहलाह वोट खसाबय लेल.

महिला सभ सेहो एहि चुनाव मे बड़का संख्या मे वोट देबय लेल आगां अएलीह. एकरा अहां वोटिंग के लेल आयोग के तरफ सं जागरूकता आभियान के असर कहि सकय छी.

एहि चुनाव मे महिला उम्मीदवार सेहो काफी संख्या मे ठाड़ छलीह. 243 सीट के लेल 308 महिला उम्मीदवार. अहां एकरा संतोषजनक कहि सकय छी. ओना एहि चुनाव मे कुल 3523 उम्मीदवारक भाग्य के फैसला होए वाला अछि.
एहि बेरक चुनाव मे मुख्य मुकाबला जेडीयू-बीजेपी आओर आरजेडी-एलजेपी गठबंधन के बीच अछि. अहां एकरा कहि सकय छी जे नीतीश आओर लालू जी के बीच सीधा मुकाबला.

कांग्रेस आओर दोसर सभ पार्टी साइड मे अछि. केवल अपन उपस्थिति दर्ज कराबय लेल मैदान मे अछि. ओना कांग्रेस एहि बेर 243 सो सीट पर अपन उम्मीदवार ठाड़ कएने छल.
संख्या के हिसाब सं देखल जाए त जेडीयू 141 सीट पर बीजेपी 102 सीट पर लड़ल. जखन कि आरजेडी 168 आओर एलजेपी 75 सीट पर उम्मीदवार उतारने छल.

कांग्रेस के मैदान मे उतरय के नुकसान लालू-पासवान जीके भ सकैत अछि. कई ठाम एहन देखबा मे आएल कांग्रेस पार्टी लालूजीक लेल वोटकटवा साबित भेल.

जे होए आब 24 तारीख के इंतजार करु. गिनती के लेल सेहो चुनाव आयोग के तरफ सं भारी इंतजाम कएल गेल अछि. मिथिलाक हिसाब सं देखल जाए त जतय -जतय गिनती होएत ओ जगह एहि तरह अछि...

पश्चिम चंपारण- मार्केटिंग यार्ड बेतिया,
पूर्वी चंपारण- एमएस कालेज मोतिहारी,
सीतामढ़ी- सीतामढ़ी हाईस्कूल डुमरा आओर डायट भवन डुमरा,
मधुबनी- आरके कालेज मधुबनी,
सुपौल- बीएसएस कालेज सुपौल,
अररिया- कृषि उत्पादन बाजार समिति अररिया परिसर ,
किशनगंज- कृषि उत्पादन बाजार समिति यार्ड किशनगंज,
पूर्णिया- पूर्णिया कालेज पूर्णिया,
मधेपुरा- टीपी कालेज मधेपुरा,
सहरसा- जिला स्कूल सहरसा आओर राजकीय बालिका उच्च विद्यालय सहरसा,
दरभंगा- कृषि उत्पादन बाजार समिति परिसर शिवधारा ,
मुजफ्फरपुर- कृषि उत्पादन बाजार समिति अहियापुर ,
समस्तीपुर- समस्तीपुर कालेज,
बेगूसराय- बाजार समिति बेगूसराय,
खगड़िया- कृषि उत्पादन बाजार समिति खगड़िया,
भागलपुर- राजकीय पालिटेक्निक भागलपुर,
मुंगेर- आरडी एण्ड डीजे कालेज मुंगेर.

 सीतामढ़ी आओर सहरसा मे दू ठाम गिनती के व्यवस्था कएल गेल अछि.
Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु