नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

प्रेस क्लब चुनाव छठि दिन किएक?

प्रेस क्लब ऑफ इंडिया, दिल्ली के 13 नवंबर के चुनाव होबय जा रहल अछि. पिछला साल के जकां एहि बेर सेहो ई चुनाव छठि के दिन भ रहल अछि. छठि के दिन चुनाव होए के कारण बिहार...झारखंड...पूर्वी उत्तर प्रदेश के पत्रकार वोट नहि करि पएताह. एहि राज्य के पत्रकार सभ आ त घर जाए के कारण आ फेर छठि मे ड्यूटी पर होए के कारण मतदान नहि करि पएताह.

पिछला साल सेहो बिहार... झारखंड...यूपी के काफी पत्रकार वोट नहि द पएलाह. एहि साल सेहो ओहने हाल रहतैन. सवाल उठैत अछि जे छठि के दिन चुनाव किएक राखल जाएत अछि? जखन प्रेस क्लब के पदाधिकारी आओर चुनाव अधिकारी के पता छनि जे छठि के बिहार -यूपी के लोक महापर्व मानए छथिन्ह तखन कि ई वोटिंग सं रोकय के साजिश अछि?

कि चुनाव अधिकारी के एकर पता नहि रहय छनि? आ फेर ओ सेहो चाहैत छथिन्ह जे बिहार-यूपी के पत्रकार वोट नहि डालि पाबय? लोक एकर शिकायत किएक नहि करय छथिन्ह? दोसर के छोट-छोट मामला पर हंगामा मचाबए वाला पत्रकार अपना मामला मे एतेक विवश किएक छथि? कि एहि मे पत्रकार सभ के किछ मजबूरी छनि की ?

सभ सं ताजुब्ब के बात त ई अछि जे मौजूदा पैनल के खिलाफ चुनाव लड़ि रहल विरोधी पैनल सेहो एहि बारे मे कोनो आवाज नहि उठा रहल अछि. अगर उठा रहल छथिन्ह त एतेक कमजोर ढंग सं जकर कोनो असर नहि पड़ि रहल छनि. अगर ओ एकर खिलाफ आवाज नहि उठएताह त भ सकैत अछि जे ओ एहि बेर सेहो मौजूदा पैनल के शाएदे हरा पएताह.

एहि सवाल के हम फेसबुक पर सेहो उठैने छलहुं. एहि पर फेसबुक पर लोक सभ के प्रतिक्रिया सेहो मिलल अछि अहां ओकरा देख सेहो सकय छी फेसबुक पर जाक. किछ कमेंट के हम एहिठाम जेना लिखल अछि ओहिना डालि रहल छी.


Noor Khan: - Koi suggestion kyu nahi deta ki kisi ayse time par Press Club of India ke chunaav karwaye ki kisi se miss nahi ho paye..:)

Alok Punj:- ye kya ???????????? bahut hi sharm ki baat hai... loktantra ke chauthe stambh ka chunav aloktaantric dhang se...ye to bilkul ek sajish hai...ki bihar se jure patrakaro ko chunav se dur rakha jayey...wo apna matdaan na kar sake...media jagat... me estarah ke prantvaadi virodh ka virodh hona chahiye...agar aisa ho raha hai to club se jure padadhikari doshi hi nahi sajish me shamil bhi hai...ki bihar se jure patrakaar vote na de sake ...ye sabhi ko pata hai ki saal me chatt puja hi ek aisa tyohaar hai jisme hindustan me kahi bhi rahne wale bihari ghar jate hi hai...kueki ye hum bihario ke aastha se jura tyohaar hai...aur aise waqt ka naajayaj fayada uthana bilkul aloktantric hai...media khud ke chunav me politics karti hai to desh me vyapt vrastacharya ke khilaf kis juban se bolti hai.....jai hind

Noor Khan:- Den Mr Alok do give suggestion plz....Hw to change the system...Kyu ki rajniti toh ek ganda kida hai jis cheez ko lag gaya samjho khatam...:)

Alok Punj:- suggestion kya dena noor bhai...hitendra bahi ke sawal me hi jawab chupa hai...chunav ka date badalna chahiye...chunav tab karaye jaye jab bihar aur up ke patrakaar saathi chatt puja se wapas delhi aa jayen...kue pure saal me yahi waqt milta hai chunaav karane ko...december karaya jaye...sabhi ko mauka milega matdaan me shamil hone ka...

Alok Kumar:- i strongly believe this strategy has political connotations

Ravi Sinha:- We gave a representation to Election Commission over the issue. But they are also a party to this strategic ploy by the incumbent corrupt lot.  I request all Bihari journalists to see if they can be back by Friday night and vote for the panel of Rama-Sandeep.

Bhavesh Nandan:-  लोकतंत्र की बात करने वाला पत्रकारों का क्लब "प्रेस क्लब ऑफ इण्डिया" कितना अलोकतांत्रिक हो गया है ..इस बात से समझा जा सकता है, पिछला चुनाव छठ के दिन होना संयोग हो सकता है पर इस साल भी चुनाव छठ के दिन ही होना शक पैदा करता है .....यह एक षडयंत्र है ...इसका पुरजोर विरोध होना चाहिए ....और पत्रकार इस लड़ाई को इमानदारी से लड़ेंगे इसकी अपेक्षा कम है .....इस मामले को न्यायालय में ले जाना चाहिए ...
एहि मामला पर अहां सभक कि कहनाए अछि? अपना मामला के पत्रकार किएक अनठिआ दैत छथिन्ह?
Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

1 टिप्पणी:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु