नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बिहार चुनाव: परीक्षाक पहिल पेपर


मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के परीक्षाक पहिल पेपर आई अछि. छह पेपर के एहि परीक्षा मे आई हुनकर तैयारी के किछ अंदाजा मिलत. आई 21 अक्तूबर के बिहार विधानसभा चुनाव के पहिल चरणक वोटिंग भ रहल अछि. पहिल चरण मे 243 मे सं 47 सीट पर वोट पड़ि रहल अछि.

मतदान के लेल भारी सुरक्षा इंतजाम कएल गेल अछि. राज्यक सीमा सील करि देल गेल अछि. हेलीकॉप्टर सं सेहो नजर राखल जा रहल अछि. मतदान भ रहल आठ जिला के करीब-करीब सभ बूथ पर अर्धसैनिक बल के जवान तैनात करल गेल अछि.

आजुक 47 सीट के लेल कुल 631 उम्मीदवार ठाड़ अछि. एहि मे 52 महिला उम्मीदवार छथीह. कांग्रेस सभ सीट पर उम्मीदवार उतारने अछि. बीजेप-जेडीयू के संग आओर आरजेडी- एलजेपी के संग चुनाव लड़ि रहल अछि. एहि चरण मे 47 सीट के लेल 47 पार्टी मैदान मे अछि. 16 पार्टी के सिर्फ एक –एकटा उम्मीदवार ठाड़ अछि. निर्दलीय आओर दोसर तरहक उम्मीदवार के संख्या करीब चारि सय (394) अछि.

जेहि इलाका मे आई वोट पड़ि रहल अछि ओ मिथिलाक कोसी आओर सीमांचल वाला इलाका अछि. कहि सकय छी जे ई इलाका एक तरह सं यादव आओर मुस्लिम बहुल वाला अछि. जखन कि मधुबनी आओर एहि सं सटल जिला मे ब्राह्मण वोट खास प्रभाव रखैत अछि. पिछला चुनाव मे एहि इलाका मे बीजेपी-जेडीयू गठबंधन के नीक सफलता मिलल छल. जेडीयू अध्यक्ष शरद यादव जीक विशेष पकड़ि छनि एहि इलाका पर.

ओना लालू यादव जी आओर पासवान जी सेहो पूरा जोर लगौने छथिन्ह एहि ठामक समीकरण के अपना पक्ष मे करय लेल. कांग्रेस सेहो अपन कार्ड फेंकने अछि. एहि इलाका मे नीक पकड़ राखल वाला आनंद मोहन आओर पप्पू यादव के परिवार के टिकट द कांग्रेस फायदा मिलय के उम्मीद करि रहल अछि.
Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु