नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

लोहियाक चेला क राज मे ‘लाल’ क जलवा

सुशांत झा
बिहार चुनाव मे एहि बेर ‘लाल’ क चांदी अछि। ओना त एहि बेर इ नहि पहिल बेर भ रहल अछि आ नहि आखरि बेर। मुदा जे पार्टी एहि गप पर गर्व करैत छल जे हुनकर पार्टी मे पारिवारिक संपर्क क आधार पर टिकट नहि बांटल जाइत अछि ओ सेहो एहि मे पाछु नहि रहलाह। गप करि नीतीश कुमार क जेडी-यू क, त हुनकर लिस्ट मे दूटा पूर्व मुख्यमंत्री-जगन्नाथ मिश्र आ राम सुंदर दास क दुलारूआ क नाम अहम अछि। ओना त जगन्नाथ मिश्र क बेटा पहिने सेहो एहि पार्टी स विधायक रहि चुकल छथि। नीतीश मिश्र कए फेर स झंझारपुर स टिकट देल गेल अछि, जखकि रामसुंदर दास क बेटा संजय कुमार कए राजपाकड़ विधानसभा सीट स उम्मीदवार बनाउल गेल अछि। जेडीयू जहानाबाद क सांसद जगदीश शर्मा क बेटा राहुल शर्मा कए घोसी स टिकट देलक अछि। घोसी ओ सीट अछि जतए स शर्मा खानदान 1977 स लगातार जीत रहल अछि। पिछला लोकसभा मे चुनल गेलाक बाद जगदीश शर्मा अपन कनिया कए ओहि ठाम स निर्दलीय जितवा देलथि। नीतीश कुमार, एहि ताकतवर क्षत्रप क दुस्साहस पर किछु नहि करि सकलाह। आब हुनकर बेटा कए टिकट देल गेल अछि। नीतीश सरकार क दोसर कद्दावर मंत्री नरेंद्र सिंह क बेटा अजय प्रताप सिंह कए जमुई स जेडी-यू टिकट भेटल अछि। एहि स पहिने अजय क भाई अभय प्रताप सिंह ओहि ठाम स विधायक छलाह, जे अपन पुत्री आ कनिया क हत्या क बाद आत्महत्या करि लेलथि। जेडी-यू तस्लीमुद्दीन क सुपुत्र सरफराज आलम कए जोकीहाट स टिकट देलक अछि, जे पिछला बेर आरजेडी क टिकट पर मैदान मे उतरल छलाह।
गौर करि जे पार्टी अपन सुशासन आ अपराध-मुक्त छवि कए ताक पर राखि किछु अपराधी क भाई आ कनिया कए टिकट सेहो देलक अछि। तकनीकी तौर पर एहि मे कोनो दोष नहि, मुदा व्यावहारिक गन सब जानैत छी। पार्टी कईटा आपराधिक मामला मे फंसल विधायक शशि कुमार राय क भाई नंद कुमार राय कए बरुराज स टिकट देलक अछि त फुलपरास स हत्या क आरोपी पूर्व विधायक देवनाथ यादव क पत्नी गुलजार देवी कए टिकट देलक अछि। ओना जेडी-यू एकटा मामला मे सचमुच अलग पार्टी लगैत अछि जे इ बेटा त बेटा, नेता क बाप कए सेहो टिकट देलक अछि। पार्टी लोकसभा सांसद महेश्वर हजारी क पिता रामसेवक हजारी कए टिकट देलक अछि, त सांसद विश्वमोहन शर्मा क पत्नी सुजाता देवी सेहो टिकट क लिस्ट मे छथि।
जेडी-यू पूर्व नौकरशाह आ सांसद रहल सैयद शहाबुद्दीन क बेटी परवीन अम्मानुल्लाह कए साहिबपुर कमल स टिकट देलक अछि। परवीन क पति अफजल अम्मानुल्लाह आईएएस छथि आ नीतीश सरकार मे गृह सचिव क ओहदा सम्हारि चुकल छथि। कहल जाइत अछि जे अम्मानुल्लाह ओ अधिकारी छथि जे रथयात्रा क दौरान आडवाणी क गिरफ्तारी मे अहम भूमिका निभेलथि। परवीन सेहो गुजरात मसला पर भाजपा क घनघोर आलोचना करि चुकल छथि आ हुनकर पिता सैयद शहाबुद्दीन त बाबरी मस्जिद आन्दोलन क सूत्रधार मे रहल छथि। मुदा परवीन आइ राजग क उम्मीदवार छथि, भाजपा क ताऱीफ सेहो करि रहल छथि।
हालांकि पार्टी क आन्तरिक समीकरण क वजह स जेडी-यू मुजफ्फरपुर क कद्दावर सांसद कैप्टन जयनारायण निषाद क लाल कए टिकट नहि देलक। दोसर दिस गोपालगंज क सांसद पूर्णमासी राम क बेटा विजय कुमार राम कए सेहो टिकट नहि देल गेल। विजय कुमार राम कांग्रेस मे जुगाड़ लगेलथि आ हरसिधी स टिकट पाबि लेलथि। जखन कि कांग्रेस निषाद क पुतहु कए हाजीपुर स टिकट देलक अछि।
एहि बेर एहन खूब देखल जा रहल अछि जे पिता जेडी-यू या आरजेडी मे जुगाड़ नहि लगा पौलथि त पुत्र विपक्षी पार्टी स टिकट झपट लेलक। आब एहने उदाहरण अछि सांसद महाबली सिंह आ जगदानंद सिंह क बेटा क। जेडी-यू सांसद महाबली सिंह क बेटा कए आरजेडी टिकट देलक अछि, त आरजेडी क कद्दावर सांसद जगदानंद क बेटा बीजेपी स बक्सर सीट क लेल उम्मीदवार बनि गेलथि अछि।
आरजेडी सेहो नेताक पुत्रों कए खूब तरजीह देलक अछि। लालू क खास रहल रघुनाथ झा क बेटा अजीत झा कए आरजेडी फेर शिवहर स उम्मीदवार बनेलक अछि। पूर्व मंत्री सीताराम सिंह क बेटा राणा रणधीर कए आरजेडी मधुबन सीट पर टिकट देलक अछि। दरभंगा क पूर्व सांसद अली अशरफ फातमी क बेटा फराज फातमी कए राजद केवटी स टिकट देलक अछि।
लोजपा सुप्रीमो रामविलास पासवान क दूटा भाई मैदान मे छथि। पूर्व सांसद रामचंद्र पासवान आ पशुपति पारस दूनू विधायक बनबा लेल ताल ठोकि रहल छथि। रामचंद्र पासवान कुशेश्वर स्थान स मैदान मे छथि जखन कि पारस अलौली स। पासवान क एकटा संबंधी सरिता देवी सोनबरसा स टिकट लेलथि अछि। लोजपा क राज्यसभा सांसद साबिर अली क पत्नी यास्मीन अली, नरकटिया गंज स टिकट लेलथि अछि, त पार्टी क उपाध्यक्ष सुरजभान सिंह क सार रमेश सिंह विभूतिपुर स मैदान मे छथि। लोजपा गोविंदगंज स राजू तिवारी कए मैदान मे उतारक अछि जिनकर भाई राजन तिवारी हत्या क आरोप मे जेल मे बंद छथि।
बिहार चुनाव मे राजनीतिक दल क उम्मीदवार क लिस्ट देखिकए लगैत अछि जे लोहिया क शिष्यसब जमिकए खानदानवाद क पैरवी केलक अछि। नीतीश कुमार कई बेर इ इम्प्रेशन देबाक कोशिश केलथि जे हुनकर पार्टी मे परिवार क आधार पर टिकट नहि बांटल जाइत, मुदा इ गप एहि बेर हवाई साबित भेल। लालू आ पासवान त कहियो एहन वादे नहि केलथि। कुल मिलाकए, कुलीन क कुनबा बढ़ै वाला अछि।
साभार - www.esamaad.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु