नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

हुड़-हुड़ दबंग-दबंग...

बिहार विधानसभा मे अखन जतेक एमएलए छथिन्ह ओहि मे सं करीब एक सय सं ऊपर क्रिमिनल बैकग्राउंड के छथिन्ह. एहि बारे मे किछ दिन पहिने एकटा रिपोर्ट सेहो आएल छल. जकर मुताबिक कोनो एहन दल नहि अछि जकर दामन साफ-सुथरा अछि.

मुदा अखन राज्य मे जे चुनावी प्रक्रिया चलि रहल अछि. छह चरण मे जे वोटिंग होए वाला अछि. ओकरा लेल पार्टी सभक उम्मीदवारक जे लिस्ट सामने आबि रहल अछि. ओहि के देखल जाए त हालात कोनो नीक नहि कहल जा सकैत अछि.

लिस्ट के देखल जाए त सभ दल बाहुबली के अपना संग लाबय मे दिलचस्पी दिखा रहल अछि. कांग्रेस... बीजेपी... जेडीयू... आरजेडी आ एलजेपी कोनो एहि सं बाचल नहि अछि. सभ पार्टी जीतय लेल बाहुबली के सहारा लेबय सं परहेज नहि करि रहल छथिन्ह.

बिहार मे राहुल गांधी के मिशन बिहार देखि के लागल रहय जे कम सं कम कांग्रेस अपना पार्टी मे दबंग सभ के राखय सं हिचकत. मुदा राहुल गांधी के सहरसा मे भेल पहिल सभा मे मंच पर दू-दू टा बाहुबली के पत्नी के मौजूदगी लोक के हैरान करि देलक.
सहरसा मे राहुल गांधी के संग मंच पर आनंद मोहन आओर पप्पू यादव के पत्नी लवली आनंद आओर रंजीता रंजन मौजूद छलीह. दूनु बाहुबली पर आपराधिक मामला छनि आओर जेल मे छथिन्ह.
आनंद मोहन गोपालगंज के पूर्व डीएम के हत्या के मामला मे जेल मे छथिन्ह जखन कि पप्पू यादव के माकपा विधायक अजित सरकार केर हत्याक मामले में दोषी करार देल गेल छनि. दूनु के अपन इलाका मे तूती बौलेत छलन्हि.

आब ओहि लवली आनंद के कांग्रेस सहरसा के आलमनगर सं टिकट देलक अछि. जखन कि रंजीता रंजन बिहारीगंज सं चुनाव लड़तीह. एहि बेर बाहुबली अपना जगह अपन परिवार के ठाड़ क राजनीति मे अपन पैठ बनाएल राखय जाहय छथिन्ह.

एहि बेर क्रिमिनल बैकग्राउंड वाला नेता सभ अपना जगह अपन पत्नी के ठाड़ क अपना हाथ मे लगाम राखय चाहय छथिन्ह. ओ अपन पत्नी के सहारे चुनावक वैतरणी पार करय चाहय छथिन्ह. एहि मे कतेक सफल सेहो भ जएताह.

मौजूदा विधानसभा मे सेहो कईटा एहन महिला एमएलए छथीह जिनकर पति के आपराधिक पृष्ठभूमि रहलन्हि. बस ओ अपन पति के लेल रबर स्टॉम्प के काज करय छथीह. जेहि मे कुंती देवी... पूर्णिमा देवी... पूनम देवी...मुन्नी देवी शामिल छथीह.
नीतीश कुमार जी सेहो केतबो ढोल पीटथिन्ह मुदा हुनकर पार्टी जेडीयू सेहो बाहुबली नेता के खूब टिकट द रहल अछि. लालगंज के दबंग विधायक मुन्ना शुक्ला के पत्नी अन्नु शुक्ला के जेडीयू लालगंज सं ठाड़ करलक अछि.

जेडीयू के टिकट पर पूर्णिया के रूपौली सं बीमा भारती ठाड़ भेलीह. हिनकर पति बाहुबली अवधेश मंडल पर कतेक मामला दर्ज छनि. आब देखय के अछि जे हिनकर पति के दबंगई हिनका जीताबय के काज अबैत अछि कि नहि ?

ओना पिछला बेर लोकसभा चुनाव मे सेहो बाहुबली सभ अपन परिवार के ठाड़ क चुनाव जीतय के कोशिश करने छलाह मुदा हुनका सभ के मुंहकी खाय पड़ल छलन्हि. एहि मे शहाबुद्दीन... सूरजभान... पप्पू यादव... आनंद मोहन शामिल छलाह.

पहिने जखन धरि मतपत्र सं वोटिंग होए छल बाहुबली सभ नेता सभ के बूथ कैप्चरिंग करि जीताबय छलखिन्ह. बीच मे दबंग... बाहुबली ...क्रिमिनल रिकॉर्ड वाला लोक सभ पुलिस सं बचय लेल खुद ठाड़ होए लगलाह.
( सौजन्य: Maps of India )
जे बाहुबली दोसर के जीताबय छलाह. बूथ कैप्चरिंग के बल पर...लाठी-डंडा...पाई के बल पर खुद जीतय लगलाह. एमएलए... एमपी बनय लगलाह. नेता जकां आचरण करय लगलाह. अंडरवर्ल्ड राज चलाबय लगलाह.

मुदा इलेक्ट्रॉनिक वोटिंग मशीन... ईवीएम अएलाह के बाद. बूथ कैप्चरिंग मे काफी कमी आएल. सरकार... मीडिया हाउस आओर दोसर एनजीओ के तरफ सं वोटर के जागरूक करय के अभियान सेहो चलाएल गेल. एहि सं लोक जागरूक भेलाह. सोच-समझि क प्रतिनिधि चुनय लगलाह.

वोटर के जागरूक होए के असर पिछला लोकसभा चुनाव मे देखय के मिलल जेहि मे ओ बाहुबली नेता के... हुनकर पत्नी के खारिज करि अपन मोन के बात बता देलखिन्ह. उम्मीद अछि जे एहि बेर ओ सेहो दबंग के पत्नी के तेहिना रास्ता देखा देथिन्ह.

बाहुबली के ई पता नहि छनि जे एकटा साधारण मतदाता सेहो अपन एक वोट सं हुनकर सभ दबंगई के माटि मे मिला सकय छथिन्ह. वोट मे मतदाता सं बड़का दबंग कोई नहि अछि. अहां देखा दिऔ जे एक वोट के कतेक महत्व होएत अछि.
चुनाव मे अहां ककरा वोट दैत छी ई ककरो पता नहि चलैत अछि. ई मतदान गुप्त मतदान होएत अछि. अहां अपना मोन सं वोट देबय लेल स्वतंत्र छी. जाति... धर्म... बिरादरी... सभ सं दूर भ अहां नीक उम्मीदवार के वोट द दुनिया के एकटा नवका रास्ता दिखाउ.

अहां देखा दिअ जे वोट मे कतेक ताकत अछि जेहि बाहुबली... दबंग सं अहां सालों भर डरल रहैत छी. अहां अपन एकटा वोट सं हुनका एहन पटखनी दिअ जे ओ अगिला पांच साल धरि फेर ठाड़ होए के नाम नहि लेताह.
Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु