नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बिहार चुनाव अधिसूचना सोमवार के...

बिहार मे होए वाला विधानसभा चुनाव के पहिल चरण के लेल सोमदिन 27 सितंबर के अधिसूचना जारी करि देल जाएत. कहि सकय छी जे राज्यपाल के अधिसूचना के संग चुनावक विधिवत शुरूआत भ जाएत. राज्य मे 243 सीट के लेल छह चरण मे मतदान होए के अछि.

बिहार मे वोटिंग 21 अक्तूबर के शुरू होएत आओर 20 नवंबर के आखिरी छठम चरण के वोट पड़त. एहि चुनाव मे बिहारक करीब साढ़े पांच करोड़ वोटर अपन मताधिकार के इस्तेमाल करताह. मतगणना 24 नवबंर के होएत. एहि लेल चुनाव आयोगक तैयारी पूरा अछि.

पहिल चरण मे 47 सीट के लेल 21 अक्तूबर के वोट डालल जाएत. दोसर चरण मे 45 सीट के लेल 24 अक्तूबर...तेसर मे 28 अक्तूबर के 48 सीट लेल जखन कि एक नवंबर के चारिम चरण मे 42 सीट...9 नवंबर के 25 सीट आओर 20 नवंबर के 26 सीट पर वोट पड़त.
एहि बेर कहि सकय छी मुख्य मुकाबला बीजेपी-जेडीयू गठबंधन आओर आरजेडी-एलजेपी गठबंधन के बीच अछि. ओना कांग्रेस सेहो एहि बेर सभ सीट पर अपन उम्मीदवार ठाड़ करि रहल अछि. मुदा कांग्रेस के खास असर नहि रहत.

कांग्रेस एहि बेर बस अपन जनाधार बढ़ाबय लेल उतरि रहल अछि. कांग्रेस के लक्ष्य अगिला चुनाल अछि. ओना राहुल गांधी आओर दोसर केंद्रीय नेता सभ के बिहार दौरा के कारण पार्टीक चुनाव अभियान रोमांचक रहत.

एहि बेरक चुनाव मे मुख्यमंत्री पद के दूनु उम्मीदवार नीतीश कुमार आओर लालू प्रसाद यादव जी ठाड़ नहि भ रहल छथिन्ह. दूनु अपन बेसि समय चुनाव प्रचार पर देताह. जे जीतताह हुनकर सहयोगी पार्टी के नेता उप मुख्यमंत्री बनताह.

Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु