नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

ब्रांड एंबेसडर शारदा सिन्हा !

खबर अछि जे बिहारक प्रसिद्ध गायिका शारदा सिन्हाजी चुनाव आयोगक ब्रांड एंबेसडर चुनल गेलीह. शारदा सिन्हा जी एहि बेर चुनाव मे लोक सं अपन वोट जरूर डालय के अपील करतीह. पद्मश्री शारदा सिन्हा जी चुनाव मे लोक के मतदान के प्रति जागरूक करतीह. आयोग के ई नीक पहल कहल जा सकैत अछि.

बिहार कोकिला शारदा सिन्हा जी आब आयोग के तरफ सं बनय वाला किछ विज्ञापन के माध्यम सं वोटर के अपन वोट डालय लेल अपील करतीह. वोटर के हुनकर एक वोट के महत्व समझएतीह. भ सकैत अछि चुनाव सं जुड़ल किछ गाना सेहो गएतीह आ एक- दू ठाम लोक सं मिलबो करतीह.

एहि सं पहिने पूर्व राष्ट्रपति एपीजे अब्दुल कलाम... फिल्म अभिनेता आमिर खान आओर क्रिकेटर सचिन तेंदुलकर के नाम सेहो सामने आएल छल. ई साफ नहि भेल अछि जे सिर्फ शारदा सिन्हा जी वोटर के जागरूक करतीह आ दोसरो हस्ती सभ सेहो. ई एक-दू दिन मे साफ होएत. आयोग के माननाए अछि जे एहि सं बेसि लोक वोट करय निकलताह.
पद्मश्री शारदा जी बिहारक सभ सं लोकप्रिय गायिका छथीह. हिनकर मैथिली... भोजपुरी... बज्जिका आओर हिन्दी मे गाएल गीत खुब हिट रहल छनि. बिहारक पारंपरिक लोकगीत...विवाह गीत.. छठि मइया के गीत के अहां बिना हिनकर गीत के कल्पना नहि करि सकैत छी. बिहार मे हिनकर कैसेट...सीडी...एमपी-3 के भारी मांग छनि

शारदा सिन्हा जी कइटा फिल्म के लेल सेहो गाना गएने छथीह. जेहि मे मैने प्यार किया... हम आपके हैं कौन फिल्म प्रमुख अछि. हर अवसर के लेल हिनकर कोनो नहि कोनो गीत जरूर छनि. पावनि-त्योहार...मुंडन...विवाहक... कोहबर....कन्यादान हो आ फेर विदाई गीत. कोनो न कोनो गीत सुनय लेल जरूर मिलत.

Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

2 टिप्‍पणियां:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु