नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

गूगल के चाही सॉफ्टवेयर इंजीनियर

गूगल के बंगलुरू आओर हैदराबाद के लेल सॉफ्टवेयर इंजीनियर के जरूरत अछि. गूगल के नजर देश के किछ नीक सॉफ्टवेयर इंजीनियर पर अछि. गूगल एकरा लेल कतेक गंभीर अछि एकर अनुमान अहां एहि सं लगा सकय छी जे गूगल नीक सॉफ्टवेयर इंजीनियर के नाम बताबय वाला लोक के एक लाख रुपया इनाम देबय तक तैयार अछि.

एहि के लेल गूगल एक्सटर्नल रेफरेंस कार्यक्रम चला रहल अछि. एहि कार्यक्रम के अनुसार अगर अहां गूगल के कोनो नीक सॉफ्टवेयर इंजीनियर के नाम बताबए छी... सुझाब देत छी...आओर अहांक ओहि रेफरेंस पर अगर ओहि सॉफ्टवेयर इंजीनियर के नौकरी मिल जाएत अछि त अहां के एक लाख रुपया के इनाम मिलत. ई इनाम नैकरी मिलला पर मिलत ओना नहि.

प्रतिभा जुटाबय लेल गूगल के ई नीक कोशिश अछि. एहि सं गूगल के पास काफी प्रस्ताव पहुंचय के उम्मीद कएल जा रहल अछि. भारत मे नीक सॉफ्टवेयर इंजीनियर के कोनो कमी नहि अछि. बस अहां सभ ओहि नीक इंजीनियर के नाम गूगल के पास भेजय के कोशिश करिऔ. आओर हां एकर आखिरी तारीख 15 अक्तूबर अछि. कोशिश करु जे 15 अक्तूबर से पहिने नाम पहुंच जाए.

अहांक नजर मे जतेक अनुभवी...नव-नव प्रयोग करय वाला...प्रतिभावान सॉफ्टवेयर इंजीनियर छथिन्ह... हुनकर नाम भेजबाक कोशिश करु. अहां एहन इंजीनियर के नाम सेहो भेज सकय छी जे जानय त बड़ किछ छथिन्ह मुदा सही मौका नहि मिलय के कारण पड़ल छथिन्ह. बस अहां ओहि प्रतिभा के सामने लाबय के नीक काज क सकय छी... संगहि-संग टका सेहो कमा सकय छी.

अगर अहां खुद नीक सॉफ्टवेयर इंजीनियर छी त अहां खुद अपन नाम भेज सकय छी... मुदा नीक रहत जे कोनो दोस्त... जानपहचान वाला सं भेजल जाए. बेसि जानकारी के लेल अहां एहि मेल

सं गूगल सं सम्पर्क क सकय छी. कोनो दिक्कत होए त अहां हमरा मेल क सकय छी. आ फेर अपन रेज्यूमे-बॉयोडाटा भेज सकय छी जकरा आगां रेफरेंस द क पठा देल जाएत. वेस्ट ऑफ लक !

Share/Save/Bookmark

हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु