नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

कोन मुद्दा रहत छाएल ?

बिहार मे चुनाव होए वाला अछि. सभ पार्टी के नेता सभ चुनावक तैयारी मे लागल छथिन्ह. चुनाव जीतए के लेल जतेक चीज अजमाबय के जरूरत होएत अछि अजमाएल जा रहल अछि. कोनो चीज छोड़य नहि चाहए छथिन्ह.

नेता सभ के कहनाय छनि के एहि बेर विकासक मुद्दा छाएल रहत. मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के कारण बिहार मे विकास एकटा प्रमुख मुद्दा बनि गेल अछि. कांग्रेस नेता राहुल गांधी सेहो विकासे के बात करि रहल छथिन्ह.

आरजेडी प्रमुख लालू प्रसाद यादव जी आओर एलजेपी प्रमुख रामविलास पासवान जी सेहो एहि बेर जाति के बात छोड़ि विकासक गप करि रहल छथिन्ह. एतबे नहि आओर दोसर पार्टी सभ सेहो विकासक गप जोर-शोर सं क रहल छथिन्ह.

मुदा कि अहां के लगैत अछि जे विकास प्रमुख मुद्दा अछि बिहार मे ? कि बिहारक राजनीति मे जाति के मुद्दा हाशिया पर चलि गेल अछि ? कि एहि बेर के चुनाव मे दोसर कोनो आओर मुद्दा नहि उठत?

चुनाव सं किछ दिन पहिने बिल जमा नहि करय के मुद्दा उठल छल. आओर जेना-जेना चुनाव करीब आएल जाएत नवका-नवका मामला सामने आएल जाएत. लालू-पासवान जी सेहो किछ नहि किछ मामला जरूर राखने होताह चुनाव के लेल.

सभ बेर होएत अछि जे चुनाव लग अएला के संग नेता सभ के खिलाफ दस तरहक घोटाला... कई तरहक स्टिंग... मामला सामने आबए लगैत अछि. कई बेर चुनाव के मामला रातिए-राति बदलि जाएत अछि.

एहि बेर बटाईदारी के मामला... अगड़ा-पिछला के मामला... सूखा... बाढ़ि के मामला... महंगाई... नक्सली मामला जैसन कइटा मामला एकाएक उठि सकैत अछि. आओर हां एकटा आओर मामला सभके पाछा छोड़ि सकैत अछि. ओ अछि अयोध्या.

24 सितम्बर के अयोध्या मामला पर इलाहाबाद हाईकोर्ट के फैसला आबय वाला अछि. ई फैसला मालिकाना हक पर अछि. एकर कोनो फैसला आबय चुनाव पर असर पड़ि सकैत अछि. ओना सरकार पूरा सतर्कता बरति रहल अछि एहि मामला पर.



ओना गाम-घर के लोक के सेहो कहनाए छनि जे सिर्फ सड़क-पुल देखने विकास के बात नहि करु. गाम-घर मे कोनो विकास नहि भेल अछि. पाए वाला आओर पाए वाला बनल जा रहल अछि आओर गरीब आओर गरीब.

लोक आइओ एक-एक दाना के लेल संघर्ष करि रहल छथिन्ह. सिर्फ शहरी चमक-दमक पर नहि जाउ. शहर...महानगर के चमकला सं गाम-टोला मे लोक के घर मे अनाज नहि पहुंचैत अछि. आओर एहि बेर के सूखा त ओहिने मारने अछि लोक के.

राशन सं...कोटा सं एक-दू किलो चीनी...चावल...गेहूं आओर मटिया तेल के लेल अखनो लोक के दिन-दिन भरि लाइन मे लागय पड़ि जाए छनि. मास मे एक-दू बेर मिलैत ओकरो क्वालिटी एहन जे कहल नहि जाए.

एहन मे विकास के बात करनाय केहन रहत आम लोक के लेल...आम वोटर के लेल ई त जेना-जेना चुनाव प्रचार जोर पकड़त पता चलत. ओना अहां सेहो बताउ जे एहि बेरक चुनाव के कोन कोन मुद्दा छाएल रहत ? अहांक जवाब के इंतजार मे.

Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु