नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

मोदी पर मतभेद

बिहार मे चुनाव प्रचार करय के मुद्दा पर बीजेपी आओर जेडीयू मे एका नहि बनि पा रहल अछि. मतभेदक सभसं पैघ मुद्दा छथिन्ह गुजरात के मुख्यमंत्री नरेन्द्र मोदी. बीजेपी के कहनाए अछि जे मोदी प्रचार करताह. जेडीयू कहैत अछि घुसय नहि देबन्हि.
बिहार मे अगिला मास सं विधानसभा के लेल वोट डालल जाएत. वोटिंग छह चरण मे होएत. वोटिंग के दिन जेना-जेना नजदीक आबि रहल अछि. राजनीतिक सरगर्मी तेज भेल जा रहल अछि
एहन मे नरेन्द्र मोदी मुद्दा पर दूनु पार्टी मे मतभेद सं मामला बिगड़ि सकैत अछि. बीजेपी के मानु त ओ कहैत अछि ककरा सं प्रचार कराबि आ नहि ई पार्टी तय करत. मुदा जेडीयू के साफ कहनाए अछि जे एहि सं गठबंधन पर असर पड़ि सकैत अछि.

ओना मुख्यमंत्री जी दिल्ली मे पत्रकार सभ सं ई कहलखिन्ह जे मोदी जी बिहार नहि अएताह. एहि सं बीजेपी खेमा मे हलचल अछि. नीतीश जी पार्टी के रणनीति पर चर्चा करय लेल दिल्ली मे कइटा नेता सं भेंट-मुलाकात कएलखिन्ह.

बिहार मे चुनाव के हिसाब सं देखल जाए त अल्पसंख्यक वोटर कई सीट पर निर्णायक भूमिका निभाबैत अछि. मिथिलाहि मे देखल जाए त पूर्णिया... कटिहार... किशनगंज... भागलपुर मे मुस्लिम वोटर काफी तादाद मे छथिन्ह.
नीतीश जी के एहि बात के डर छनि जे अगर मोदी बिहार मे प्रचार लेल अएलाह त एकर असर गठबंधन के वोट पर पड़ि सकैत अछि... आओर अल्पसंख्यक वोट कांग्रेस आ आरजेडी के तरफ जा सकैत अछि.

मुख्यमंत्री बनय के दिन सं नीतीश जी अपन छवि के लsक बड़ सतर्कता बरैत रहल छथिन्ह. ओ बीजेपी के कहिओ हावी नहि होए देलखिन्ह. दलित आओर अल्पसंख्यक के लेल कइटा कार्यक्रम चलैलखिन्ह... योजना बनौलाखिन्ह.

नीतीश नहि चाहय छथिन्ह जे पांच साल तक जेहि इमेज के बना क रखने छथिन्ह ओ एक पल मे मोदी के अएला सं टूटय. जेहि वोट बैंक के लेल ओ अतेक परिश्रम कएलाह ओ मोदी के कारण दोसर ठाम घसैकि जाए.
Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

1 टिप्पणी:

  1. Ahi baat par par kush hoybaak kono kaaran hamra nazar ta nahin aabi rahal achhi.........
    I baat hindu sabke lel katek sharm ke baat chhaik je maatr kichhu % muslim achhi hamra desh mein.....Muda o bahusankhyak hindu par katek bhaari pari rahal aichh takar udaahran nitish kumar da rahal chhathi.....
    Je musalmaan ke dam par i kudi rahal chhathi o sirf mauka ke talaash ka rahal achhi .....Nahin ta khaiya hamar deshk ann ka dua maangeiya paakistaaaaaan ke.......
    Nitish ji ke ki bujhi parei chhanhi agar hindu hunka sa bimukh bha jaain ta o sirf musalmaanak vote sa jiti jayta.....
    muda "HINDU"ke ta aai kaali kono ashtitwe nahin rahi gel achhi......O ta sirf brahman ,dusaadh , chamaar ,musahar karei me laagal rahaiya.......
    Aa jahan tak "NARENDRA MODI" jike sawaal achhi ta NITISH KUMAR ke Modi jike paabai mein akhn kai janam tak apna aapke polish karay partein.......

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु