नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बिहार चुनाव आओर राहुल

बिहार मे 20 अक्तूबर सं विधानसभा चुनाव होए वाला अछि. ई वोटिंग छह चरण मे पूरा होएत. चुनाव केर घोषणा होए के संगहि सभ पार्टी जोर-शोर सं चुनाव अभियान मे जुटि गेल अछि. पार्टी के दिग्गज नेता सभ रणनीति बनाबए मे जुटल छथिन्ह. मतदाता के अपना पक्ष मे करय के लेल सभ तरहक उपाय पर चर्चा भ रहल अछि.

एम्हर कांग्रेस मे नवका जान डालय के कोशिश मे जुटल छथिन्ह खुद राहुल गांधी. एहि चुनाव सं पहिने कांग्रेस बिहार मे करीब बीस साल सं आरजेडी आओर एलजेपी के संग तालमेल क चुनाव लड़ैत छल. मुदा एहि बेर राहुल गांधी के कारण पार्टी एकसरे मैदान मे जाए के फैसला कएने अछि. पार्टी उत्तर प्रदेश मे आओर लोकसभा चुनाव मे एहन करि चुकल अछि.

बिहार केर 243 विधानसभा सीट मे सं अखन कांग्रेस के 10 एमएलए आओर राज्य केर 40 लोकसभा सीट मे सं सिर्फ दूटा सांसद छथिन्ह. एकरा देखल जाए त राज्य मे पार्टी के हाल नीक नहि कहल जा सकैत अछि. एहि सं पहिने आरजेडी आओर एलजेपी के संग तालमेल कs लड़य के कारण पार्टी के अपन कैडर...कार्यकर्ताक टीम बिखरि चुकल अछि.

कांग्रेस के वोटर दोसर पार्टी सभ मे बंटि गेल अछि. आब राहुल गांधी अपन ओहि वोटर के फेर सं कांग्रेस के संग वापस लाबय चाहय छथिन्ह. मुदा एहि बीस साल मे जे वोटर दोसर पार्टी सं जुड़ि चुकल छथिन्ह हुनका वापस लनाए आसान नहि होएत. आओर एतेक दिन मे त बिहारक राजनीति मे कतेक पानि बहि चुकल अछि.

बिहार के लsक राहुल गांधी अपन पूरा जोर लगौने छथिन्ह. कई बेर बिहार अएलाह... पार्टी के सीनियर नेता सभ के सेहो भेजलखिन्ह. पार्टी नेता के माननाए छनि के अगर 20-25 टा सीट मिल जाएत अछि तखनो पार्टी के लेल ई एकटा बड़का कामयाबी होएत. कामयाबी मिलय आ नहि मिलय ओना देखल जाए त पार्टी के आधार त किछ मजबूत जरूर होएत.

एहि के लेल पार्टी युवा वर्ग पर विशेष ध्यान द रहल अछि. विकास के मुद्दा उठा रहल अछि. किसान भाई के अपना सं जोड़य के कोशिश करि रहल अछि. पार्टी के नेता हर मंच पर केंद्र सरकार सं मिलल सहायता के जिक्र जरूर करय छथिन्ह. नेता सभ लोक के नेहरुजी... इंदिरा जी सं लSक राजीव जी तक के याद दिलाबय छथिन्ह.

कांग्रेस के एकसरे चुनाव मे अएला सं दोसर पार्टी के राजनीति सेहो बदलल अछि. बिहार के लेल जातिगत राजनीति अहम रहल अछि. एहि सं पहिने के कोनो चुनाव अहां देखिऔ बिहार मे बिना जाति के हिसाब लगौने राजनीति मे पैठ बनानाए मुश्किल लगैत छल. मुदा एहि बेर ओ ओतेक असर डालैत नहि दिखा रहल अछि. चारू कात विकास के बात भ रहल अछि.

राहुलजी सेहो हर सभा मे विकास के बात करय छथिन्ह. आब राहुल जी जखनक विकासक बात करय छथिन्ह तं एहि सं सभ सं बेसि परेशानी नीतीश कुमार जीके होए छनि. किएक त बिहार मे विकास के पथ पर ल जाए के लेल ओ अपना के अगुआ मानए छथिन्ह. चारु कात सड़क.. पुल...सुरक्षा... कानून व्यवस्था... पढ़ाई-लिखाई के रास्ता पर लाबय के श्रेय लए छथिन्ह.

एहन मे राहुल गांधी विकास के बात करि हुनकर खेल नहि खराब करि देथिन्ह एहि लेल आब ओ राहुल गांधी के जिक्र करय सं बचय छथिन्ह. सीधा हमला लालू प्रसाद जी आओर रामविसाल पासवान जी पर करय छथिन्ह. किएक त लोक के जेहन सं अखनो लालू-राबड़ी देवी राज के अव्यवस्था... राज्यक पिछड़ापन के चित्र मिटाएल नहि अछि. नीतीश जीक पूरा कोशिश रहय छनि लोक के दिमाग मे फेर सं लालू राज के तस्वीर वापय लाबय के.

एहि बेर लालूजी... पासवान जी सेहो विकास के बात करि रहल छथिन्ह. दूनु गोटे सेहो राहुल गांधी के जिक्र कs चर्चा मे लाबय सं बचय चाहय छथिन्ह. हिनकर कोशिश राहुल गांधी के इग्नोर करय के रहय छनि. फेर लोक सभ के इहो बताबय के कोशिश मे छथिन्ह जे राहुल के वोट देनाए के मतलब बीजेपी के आगां लनाए अछि. लालू जी इहो कहय छथिन्ह जे कांग्रेस-बीजेपी खेल बिगाड़य के कोशिश मे लागल अछि.

जे होए राहुल गांधी के असर त किछ नहि किछ चुनाव पर पड़ि रहल अछि. किएक त जेडीयू-बीजेपी गठबंधन आओर आरजेडी-एलजेपी गठबंधन दूनु लोक के ई समझाबय मे लागल अछि जे बिहार मे आ त नीतीश के सरकार बनत आ लालू के... फेर कांग्रेस के वोट द अपन वोट किएक बर्बाद करब.
ई बात लोक के मन मे पैठ बना लैत अछि
.
अहां के कि लगैत अछि? कि एहि चुनाव मे सही मे लड़ाई नीतीश आओर लालू जीक बीच अछि... आओर राहुल गांधी साइड मे छथिन्ह? कि एहि बेरक चुनाव मे हुनकर मिशन बिहारक पार्टी के किछ फायदा मिलत? जे होए अहां अपन विचार जरूर लिखब. आखिर लोक के इहो त पता चलय कि गाम-घर के लोक कि- कि सोचय छथिन्ह चुनाव के लsक.
Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु