नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

दरभंगा राज किला के अधिग्रहण !

दरभंगा राज किला के सरकार अपना कब्जा मे लेबय पर विचार करि रहल अछि. असल मे सही संरक्षण के अभाव मे किला के हाल खराब भs रहल अछि. कोई देख-रेख नहि भs रहल अछि. भूकम्प के टाइम आएल दरार बढ़ल जा रहल अछि. संगहि-संग किला के भीतर अतिक्रमण होए के सेहो बात बराबर सामने आबैत रहैत अछि. किला परिसर मे तं पूरा एकटा मोहल्ला टाइप के बसि गेल अछि...हमरा परिसर मे एकटा पैघ होटल जकां सेहो देखय मे आएल. लोक सभ तं भीतर मे जमीन... मकान खरीद-खरीद कs घर बसा लेने छथिन्ह.
किला कैम्पस के भीतर मंदिर आओर किला सं जुड़ल दीवार के हाल खराब अछि. एकरा देखय वाला कोई नहि अछि. बस लोक के कोशिश केहुना एहि मेन पॉश इलाका मे अपन मकान लs लेबय के रहय छनि. गरीब लोक तं लs नहि सकय छथिन्ह तं एहिठाम पूरा पाई वाला... जोरगर लोक के चलि रहल छनि. अगर सरकार के कोशिश एकर अधिग्रहण करय के अछि तं ई नीक कोशिश कहल जा सकैत अछि. सरकारी संरक्षण मे अएला पर कम सं कम एकर देखरेख...साफ-सफाई तं नीक सं होएत.
 एहि ऐतिहासिक विरासत के तं सरकार के बड़ पहिने अपना कब्जा मे लs लेबाक चाही छल...ई काज पहिनहि भs जएबाक चाही छल. एहि सं दरभंगाक इतिहास जुड़ल अछि... मिथिलाक इतिहास जुड़ल अछि. मिथिला भने जनकपुर सं शुरू भेल होए... मुदा आधुनिक मिथिलाक कल्पना दरभंगा सं हटि कs नहि कएल जा सकैत अछि. आओर दरभंगा के बिना राज कैम्पस... बिना किला सोचिओ नहि सकैत छी. दरभंगा सं राज निकालि दिऔ तं दरभंगा शून्य... एकदम जीरो.
 दरभंगा के राज किलाक महत्व मिथिलाक लोक के लेल दिल्ली के लाल किला सं कोनो कम नहि अछि. लोक सभ सरकार के एहि कोशिश सं खुश होएतिन्ह. मिथिलाक लोक के लेल ई कोनो पर्यटन स्थल सं कम नहि अछि.
Photo by:  Hitendra Kumar Gupta

Share/Save/Bookmark  
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु