नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

राहुल गांधी के मिथिला दौरा

बिहार मे चुनावी सरगर्मी तेज भs रहल अछि. अगर सभ किछ ठीक रहल तं उम्मीद अछि जे हफ्ता भर मे बिहार विधानसभा चुनाव के घोषणा करि देल जाएत. वोटिंग दिवाली के आसपास होएत. किछ लोक एकरा ओहि सं पहिने कराबय पर जोर द रहल छलखिन्ह मुदा दिल्ली मे होए वाला कॉमनवेल्थ गेम्स के लsक देश-दुनिया सभ गोटे के ध्यान ओहि पर रहतन्हि.

चुनाव आयोग के कोशिश बिहार विधानसभा चुनाव चारि चरण मे कराबय के अछि. ओना सुरक्षा के पेंच फंसल तं ई चुनाव पांच चरण तक सेहो जा सकैत अछि. चुनाव आयोग निष्पक्ष चुनाव कराबय लेल जोर-शोर सं जुटल अछि. आयोग के मानय जाए तं बिहार मे चुनाव के लेल जतेक तैयारी के जरूरत अछि ओकरा पूरा करि लेल गेल अछि.
चुनाव के करीब अबतहि राजनीतिक पार्टी सभ अपन कार्यकर्ता सभ के हरकत मे लाबि देलखिन्ह. पार्टी कार्यकर्ता मे जोश...उत्साह जगाबय लेल पार्टी के नेता सभ राज्य के दौरा करनाय सेहो शुरू देने छथिन्ह. कार्यकर्ता सभ के जोड़य... संगठित करय के काज पूरा जोर सं चलि रहल अछि. स्थानीय नेता सभ सेहो टिकट के जोगाड़ मे लागि गेल छथिन्ह.

टिकट के लsक सभ पार्टी मे घमासान भs रहल अछि. बीजेपी सं खबर आबि रहल अछि जे ओ अपन वर्तमान एमएलए के टिकट नहि काटय के फैसला करने अछि. मुदा परिसीमन के बाद कई विधानसभा क्षेत्र के नाक-नक्शा पूरा बदलि गेल अछि. एहि सं कइटा मौजूदा विधायक के सेहो जीतय के लेल बेसि पसीना बहाबय पड़तन्हि.

चुनाव के लsक केंद्रीय नेता सभ के सेहो अनाय शुरू भs रहल अछि. शुरूआत कांग्रेस के राहुल गांधी सं भs रहल अछि. राहुल गांधी अपन बिहार दौरा के शुरुआत मिथिला सं करि रहल छथिन्ह. राहुल गांधी शनिदिन 4 सितंबर के समस्तीपुर आओर सहरसा जा रहल छथिन्ह. दूनु ठाम हिनकर आम सभा होएत. सहरसा राज्य कांग्रेस अध्यक्ष महबूब अली कौसर जीक क्षेत्र अछि.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

1 टिप्पणी:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु