नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

साहित्य अकादमी फेलो चुनल गेलाह अमरजी

नव दिल्ली, २७ अगस्त २०१० . साहित्य अकादमी प्रमुख रचनाकार चन्द्रनाथ मिश्र 'अमर' (मैथिली), केदारनाथ सिंह (हिंदी) आ खुशवंत सिंह (अंग्रेजी) कें फेलो चुनलक अछि. एहि ठाम जारी विज्ञप्ति मे कहल गेल अछि जे साहित्य अकादमी केर अध्यक्ष सुनील गंगोपाध्याय केर अध्यक्षता मे भेल आम परिषदक बैसार मे ई निर्णय लेल गेल. 
साहित्य अकादमी केर फेलो चुनल जायब बहुत बेसी सम्मान केर विषय अछि. एक बेर मे मात्र २१ गोट लोक कें ई सम्मान भेटैत छैक. ई सम्मान 'अमर साहित्य' केर रचनाकार हेतु सुरक्षित अछि. एहि ठाम एक कार्यक्रम मे अमरजीक संगहि समस्त चयनित फेलो लोकनि कें ताम्र फलक ओ शाल प्रदान क' सम्मानित कयल जायत. 

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु