नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

मैथिली अकादमी के अध्यक्ष बनलाह कमलाकांत जी

साहित्यकार कमलाकांत झा जी मैथिली अकादमी बिहार के अध्यक्ष होताह. कमलाकांत जी तीन साल धरि अकादमी के अध्यक्ष रहताह. मैथिली अकादमी के पुनर्गठन करैत बिहार सरकार के तरफ सं कार्यसमिति आओर सामान्य परिषद मे सेहो बदलाव कएल गेल अछि. कमलाकांत जीक सभसं बड़का काज सुस्त पड़ल मैथिली अकादमी के फेर सं जगाबय के रहतन्हि. पर्व समारोह...सेमिनार...परिचर्चा करा लोक के फेर सं मैथिली सं जोड़य के कोशिश करय पड़तन्हि.
कमलाकांत जी अखन दरभंगा के लक्ष्मीसागर मोहल्ला मे रहय छथिन्ह. ओना कमलाकांत जी सिंहवाड़ा ब्लॉक के निकासी गाम के रहय वाला छथिन्ह. हिनकर जन्म आजादी के करीब दू साल बाद 1 अगस्त 1949 के भेल छलन्हि. हिनकर पढ़ाई-लिखाई अपन मातृक समस्तीपुर के मुजौना गाम मे भेल छनि. कमलाकांत जी कइटा किताब लिख चुकल छथिन्ह. जेहि मे ‘अनोन सनोन’, ‘बढ़ैत डेग’ आओर ‘रंग व्यंग्य’ शामिल अछि. हिनका मिथिला विभूति... मिथिला रत्न आओर मिथिला गौरव सं सम्मानित कएल गेल छनि.
Share/Save/Bookmark  
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

2 टिप्‍पणियां:

  1. BADD NEEK LAGAL E SUNI ,NISHCHAU KAMALA KANT JEE SUST PARAL ACADEMI KEN NAV DISHA DETHU,E KAAMNA AKRAIT CHHEE.
    THANKS,
    SHIV KUMAR JHA TILLOO
    JAMSHEDPUR
    VILLAGE KARIYAN
    DISTT SAMASTIPUR
    BIHAR

    shiva_jma@rediffmail.com

    जवाब देंहटाएं
  2. kamla kant jha ji ke hardik subhkamna, aasha nai purn vishwash aaichh je kamlakant jha mithila maithili ke lel avishmarniya kaaj karta

    dhanyabad
    pankaj

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु