नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

आब ओमपुरी के निशाना बनल बिहार...

फेसबुक पर बिहार के बारे मे ओमपुरी के बयान पर जबरदस्त बहस चलि रहल अछि. लोक सभ अपन-अपन भड़ास जमि कS निकालि रहल छथिन्ह. कोई कहय छथिन्ह जे ओमपुरी सठिया गेल अछि तं कोई कहय छथिन्ह पगला गेल अछि.

मुदा आगां बढ़य सं पहिने ई जानि लेल जाए जे मामला कि अछि ? असल में फिल्म अभिनेता ओमपुरी जी 15-17 साल बाद बिहार गेल छलाह. गया उतरि बोधगया दर्शन करय गेलाह. जखन वापस जाए लगलाह तं पत्रकार सभ हुनका सं बिहार...बोधगया दौरा के बारे मे बात करय लागलखिन्ह. ओहि क्रम मे ओमपुरी जीक कहलखिन्ह जे पिछला 15-16 साल मे बिहार किछ नहि बदलल अछि. जेना 15 साल पहिने गंदगी... कूड़ा के अंबार...ढेर लागल रहैत छल...ओहिना आईओ लागल रहैत अछि. हां ई बात ओ जरूर कहलखिन्ह जे बोधगया काफी बदलल अछि.

ओमपुरी करीब 17 साल पहिने ‘पतंग’ फिल्म के शूटिंग के लेल बिहार गेल छलखिन्ह. ओहि टाइम जे महसूस करलखिन्ह आओर एहि बेरक यात्रा मे जे महसूस कएलखिन्ह... बस ओकरा बयान करि देलखिन्ह.

जखन हुनका सं बिहार मे फिल्मसिटी के बारे पूछल गेलन्हि तं कहलथिन्ह...जे ई मुश्किल अछि. किएक तं बिहार मे कोनो निर्माता-निर्देशक शूटिंग करय जाए सं एहि लेल डरैत अछि... कि कहीं शूटिंग के लेल गेल हीरोईन के कोनो बाहुबली अपना घर नाचय लेल नहि लS जाए.

एहि के संग ओ इहो कहलखिन्ह जे प्रकाश झा तं बिहारे के छथि... बिहार के बारे मे बड़का-बड़का बात करय छथिन्ह...बिहारे पर आधारित फिल्म बनाबय छथिन्ह...मुदा अपन फिल्मक शूटिंग भोपाल... मुम्बई मे करय छथिन्ह.

आब ओमपुरी जीक बयान पर हंगामा मचि गेल अछि. लोक हो-हल्ला करि रहल छथिन्ह. फेसबुक-ऑर्कुट पर बहल चलि रहल अछि. सभ ओमपुरी के गरिआ रहल छथिन्ह. ओमपुरी जी गंदगी... कूड़ा... प्रकाश झा... बदलाव पर सेहो अपन बात कहलखिन्ह...मुदा लोक के आपत्ति हुनकर हीरोईन वाला बात पर छनि.

फेसबुक पर भवेश नंदन जीक आओर कुमुद सिंह जीक वॉल पर जमिS कS कमेंट आबि रहल छनि आओर लोक सभ अपन गुस्सा...नाराजगी व्यक्त करि रहल छथिन्ह. किछ लोक तं व्यक्तिगत स्तर पर चलि गेल छथिन्ह आओर कहय छथिन्ह जे आईकाल्हि ओ अपन पत्नी के सताएल छथिन्ह आओर जेहिआ सं हिनकर पोल खुललन्हि अ बड़बड़ा रहल छथिन्ह.

सत्येंद्र प्रताप सिंह जीक कहनाय छनि जे बिहार के बारे मे लोक के एकटा आओर नजरिया सामने आएल. अरविंद विद्रोही जीक कमेंट छनि जे अभिनेत्री के कोनो बाहुबली घर नाचय लेल विवश नहि करय... तं पैसा लSक नाच करि देल करय...आखिर ओ पाइ लSक तं नाचबे करय छैथि.

जीतेंद्र झा जीतू जीक कहनाय छनि जे असल मे हर फिल्म डायरेक्टर बिहार के बारे मे एहने छवि बना देने अछि. आब दबंग आबय वाला अछि देखल जाए ओहि मे केहन देखाएल गेल अछि. जीतू जीक इहो कहनाय छनि जे शूल मे रवीना टंडन जीक तं कोनो परेशानी नहि भेलन्हि...ओमपुरी समझदार अभिनेता छथिन्ह पता नहि ओ केना एहन बयान द देलखिन्ह.

पूनम गुप्ता जी सेहो अपन नाराजगी जताबैत कहय छथीह जे देश के कोनो भाग सं हमर बिहार आई बेसि सुरक्षित अछि... ई लोक के समझबाक चाही. आशीष झा जी एकरा लेल बिहार सं बाहर रहय वाला बिहारी सभ के सेहो दोषी मानय छथिन्ह.

एहि बात के लेल किछ लोक पत्रकार  सभके  सेहो जिम्मेदार ठहराबय छथिन्ह. हुनकर कहनाय छनि जे पत्रकार खबर के बढ़ा-चढ़ा के देखाबैत अछि... सनसनी फैलाबैत अछि. एकरा आब सहन नहि कएल जाएत. आब बिहार... मिथिलाक खिलाफ लिखय वाला आओर देखाबय वाला दूनु के करारा जवाब देल जाएत.

मुदा पत्रकारक काज अहांक पास सिर्फ खबर के पहुंचनाय अछि...अगर ओमपुरी ऐना बाजलक... तं अहां के बता देलक. एहि मे पत्रकारक कोन दोष. कटिहारक एक गाम मे शादी के लेल रंगदारी मांगल गेल तं एहि मे पत्रकारक कोन दोष. जे होए आई काल्हि ओमपुरी जी लोक के निशाना पर छथिन्ह. सोशल नेटवर्किंग साइट्स पर लोक के एकटा मुद्दा सेहो मिलि गेल छनि बहस के लेल. आओर कि चाही.


मुदा सभ सं पैघ गप पर अपन सभ ध्याने नहि द रहल छी. अगर बिहार के बारे मे... मिथिला के बारे मे लोक के बीच एहन छवि बनल अछि तं ई वाकई चिंता केर गप अछि. एहि पर हो हल्ला नहि मचा हमरा सभ के गंभीरता सं विचार करबाक चाही...ई सोचबाक चाही कि एकर उपाय की अछि?  देश-दुनियाक लोक के बीच बिहारक बेहतर छवि बनाबय लेल कि सभ कएल जाए?
हमरा सभ एहन कि सभ करि जे राज्य सं बाहरक लोक के बीच बिहार...मिथिलाक नीक छवि बनय. एहि के लेल लोक मे जागरूकता फैलाउ...अतीत सं ऊबैरि वर्तमान मे जीबय के कोशिश करु. बड़का-बड़का हाकनाय बंद करु. एहन नहि अछि जे आ बदलल नहि जा सकैत अछि. बस सभ लोक के मिलि कs एकटा ईमानदार कोशिश करय के जरूरत अछि.

Share/Save/Bookmark  
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु