नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

कतहुं बाढि कतहुं सूखा

मानसून आएल मुदा बिहारक जमीन सूखले रहि गेल. जेहि सावन मे गाम-घर....बाध-वन... खेत-खलिहान पानि सं डूबल रहैत छल...आई काल्हि सावन मे ओ जमीन सूखल अछि. खेत पानि के बिना फांटि रहल अछि. पानि नहि होए के कारण धान के रोपनी नीक सं नहि भs पाएल.
लोक सभ माथा पर हाथ दs आकाश दिस ताsकि रहल छथिन्ह जे हे इंद्र भगवान कोनो तरहे कृपा करिऔं. एहि बेर त एहन अछि जे जतेक पानि होएत अछि ओकर आधो नहि भेल अछि. भीषण गर्मी सं पोखर–डबरा सभ सूखा रहल अछि. किसान भाई सभ के मुंह पर पपरी जमल जा रहल छनि.
राज्य मे एहि हाल के देखि सरकार सेहो परेशान अछि. चुनाव के समय अछि... लोक परेशान तं ओकर असर सरकार पर पड़ि सकैत अछि. सभ जिला के अधिकारी सभ सं सूखा के बारे मे रिपोर्ट मांगल गेल अछि. कहल जा रहल अछि जे 38 मे सं 26 जिला के सूखाग्रस्त घोषित कएल जा सकैत अछि...एहि पर विचार चलि रहल अछि.
Share/Save/Bookmark  
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु