नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

मिथिला के लंदन मे सम्मान…

आकाशवाणी दरभंगा सं जुड़ल ह्रषिकेश सुलभ जीके लंदन मे सम्मानित कएल गेलन्हि... मशहूर कथाकार...नाटककार ह्रषिकेष जी के लंदनक हाउस ऑफ कॉमन्स मे 16वां इंदु शर्मा कथा यूके सम्मान सं सम्मानित कएल गेलन्हि. ह्रषिकेश जीके ई सम्मान हुनकर कथा संकलन ‘वसंत के हत्यारे ’ के लेल देल गेलन्हि.
सौजन्य: बीबीसी

सुलभ जी के सम्मान मे एकटा प्रशस्ति पत्र... प्रतीक चिन्ह देल गेलन्हि. सुलभजी अमली...मिट्टी की गाड़ी...आओर भिखारी ठाकुर के जीवन पर आधारित नाटक बटोही सेहो लिख चुकल छथिन्ह. ब्रिटेन मे भारतक उच्चायुक्त नलिन सुरी हिनका सम्मानित कएलखिन्ह.
नलिन सूरी जीक कहनाय छलन्हि जे कथा यूके केर ई आयोजन विभिन्न भाषाई समुदाय केर लोक के जोड़य मे अहम भूमिका निभा रहल अछि. हृषिकेश सुलभ जीक कहनाय छलन्हि जे हुनका लेल तं लिखनाय जीबय केर लेल एकटा जरूरी शर्त जकां अछि. बिहार के जेहि इलाका सं ओ अबैत छथिन्ह ओहि ठाम लोक के एक- एक पल के लेल... एक- एक सांस के लेल संघर्ष करय पड़ैत अछि...सुलभ जी इहो कहलखिन्ह जे हमर सभक साझा संस्कृति के राजनीतिक नज़र लागि गेल अछि...जकरा हम सभ बचाबय के कोशिश में लागल छी.
एहि अवसर पर ब्रिटन मे बसि चुकल हिन्दी केर लेखक महेंद्र देवसर आओर कादम्बिरी मेहरा के ग्यारहवां पद्मानंद साहित्य सम्मान प्रदान कएल गेलन्हि
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

1 टिप्पणी:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु