नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

कोन दुनिया मे अछि कांग्रेस...

केंद्रीय सूचना प्रौद्योगिकी आओर संचार राज्य मंत्री सचिन पायलट जीक कहनाय छनि जे अगिला विधानसभा चुनाव मे लालू जीक पार्टी आरजेडी के सफाया भs जएतन्हि. सचिन पायलट जीक कहनाय छलन्हि जे लालूजीक पत्ता केंद्र सं तं कटिए गेल छनि आब जल्दीए राज्य सं सेहो साफ भs जएतन्हि. अहां सभके कि लगैत अछि ? कि लालूजीक पत्ता साफ भs रहल छनि ? यूपीए-1 के समय मनमोहन जीक सभसं भरोसमंद संगी लालू जी एतेक बांतरि भs गेलाह जे कांग्रेस आई सफाया के गप कs रहल अछि.
सभ सीटक महिमा अछि. लालूजीक स्थिति कनि कमजोर भेल नहि कि कांग्रेस घुड़की देबय लागल. मुदा लालूजी पलटवार के लेल तैयार छथिन्ह... अगर एहि बेर चुनाव मे लालू जीक नीक वोट मिल जाए आओर ओ सत्ता मे फेर सं लौट जएताह ..तखन तं कांग्रेस फेर सं हुनकर अगाड़ि-पछाड़ि करय लागत. ई राजनीति बड़का-बड़का के जमीन पर पटकि दैत अछि आओर जमीन वाला के गद्दी पर बैसा दैत अछि. फेर बिहार मे एहन स्थिति नहि कहल जा सकैत अछि जे नीतीश जी फेर सं सरकार बनाए लेताह. कोनो हंड्रेड पर्सेंट गारंटी नहि अछि. एहि ठाम ऑक्टोपस पॉल बाबा के भविष्यवाणी नहि चलय वाला छनि. एहि ठाम सभ पंडिताई घुसरि जएतन्हि.
लोकसभा चुनाव मे कमजोर प्रदर्शन के बाद सं लालूजी आओर पासवान जी अपन बेसि समय बिहारे पर दs रहल छथिन्ह. एहन मे हुनका कमजोर मानि कs नहि चलल जा सकैत अछि. फेर हिनकर सभsक अपन वोट बैंक त छनिए. आ बिहारक चुनाव सिर्फ विकासे पर नहि होएत अछि... जाति... धर्म... बिरादरी... निजी संबंध... अगिड़ा-पिछड़ा सभ सं तय होएत अछि. कखन कोन समीकरण बनत आ बिगड़त से नहि कहल जा सकैत अछि.
सभसं बड़का बात ई जे वोट देबय के समय विकासक बात करय वाला लोक घर सं बाहर निकलय कहां छथिन्ह. हुनका लेल तं ई छुट्टी के दिन रहय छनि... जमि क सुतय छथिन्ह या फेर पिकनिक मनाबय छथिन्ह. एहन मे वोट देबय लेल आगां आबय छथिन्ह गामे-घर के लोक सभ...आओर गाम- घर मे विकासक कोनो खास तस्वीर नहि दिखा रहल अछि. एहन मे विकासक गप पर चुनाव जीतनाय मुश्किल छनि.
विकासक ई हाल अछि जे हमर सासुर मे अखन धरि बिजली के त गप छोड़ू... पोल तक नहि गेल अछि... हमर गाम सं दू-तीन किलोमीटर दूर तक बिजली नहि गेल अछि...आजादी के एतेक साल बाद धरि. गाम मे एक बेर ट्रांसफर्मर जलल रहय तं चारि मास धरि लाइन नहि आएल रहय. चारि मास धरि बिना बिजली के. ई अछि जे रोड कनि नीक भेल अछि... मुदा बिजली... पानि... सिंचाई... खेती-बाड़ी... अस्पताल... स्कूल-कॉलेज... पढ़ाई-लिखाई सभ चौपट भेल अछि. चोरी-चपाटी फेर बढल जा रहल अछि. बटाईदारी वाला बात के लs क से लोक सभ डरल अछि. गाम-घरक समस्या शहरक समस्या सं अलग अछि. एहन मे नीतीश जी जीतय के दावा एकदम सं नहि कs सकय छथिन्ह.
आओर फेर बिहार मे टक्कर तं बीजेपी-जेडीयू बनाम आरजेडी-लोजपा अछि. नीतीश जीके कांटा के टक्कर देबय लेल लालू-पासवानजी ताल ठोंकने छथिन्ह. लालू-पासवानजी दिन राति एक कएने छथिन्ह. पूरा दम लगा देने छथिन्ह. एहन मे कांग्रेस के कहनाय जे आरजेडी के सफाया भ जाएत पचि नहि रहल अछि. दोसरा के सफाया के गप करय सं नीक कांग्रेस के अपन स्थिति पर ध्यान देबाक चाही.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com



1 टिप्पणी:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु