नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

क्षमायाचना...

काल्हि प्रेसक्लब मे पुष्कर पुष्प जी आओर अमरेश झा जी सं गप होएत छल. गप के क्रम मे हेलो मिथिलाक बारे मे बात होए लागल... पुष्कर जी कहलाह जे अहांक हेलो मिथिला मे जे फ्रेंडफाइंडर के विज्ञापन लागल अछि... ओहि पर राति मे कहिओ-कहिओ खराब फोटो आबि जाइत अछि. ई सुनि हम सन्न रहि गेलहुं.
अमरेश जी सेहो कहलाह जे हां भैया एहन तं अछि. हम कहलएन्हि... तं पहिने किएक नहि बतएलौं... तं हुनकर कहनाय छलन्हि जे हमरा लागल जे जखन अहां खुद लगौने छी तं अहांके पता होएत...आ फेर कोई ब्लॉग हैक कs लेने होएत. तखन हम कहलएन्हि कि तखनो बतएबाक चाह छल.
ई सुनाला के बाद प्रेस क्लब मे मोन नहि लागल... सीधा डेरा पर भागलौं आ सभ सं पहिने हेलो मिथिला... मस्त गाने आओर मुस्कुराहट पर सं फ्रेंडफाइंडरक सभ लिंक हटएलौं. एहि के कारण अहां सभ के जे कष्ट भेल होएत... ओकरा क्षमा करैत... सभ किछ बिसरि फेर सं पहिनहि जकां अपन स्नेह दैत रहबय.
असल मे आई-काल्हि ऑर्कुट... फेसबुक... हाई 5...फ्रेंडफाइंडर तरहक कइटा नेटवर्किंग साइट अछि... ओहि मे हमरा फ्रेंडफाइंडर विज्ञापनक लिंक हाथ लागल तं लगा देलौं. जेहि सं कि ब्लॉग किछ भरल-भरल लागय... नीक सेहो लागय... मुदा पु्ष्कर जी आओर अमरेश जीक बात सुनि हमरा बड़ ग्लानि भेल...आओर लागल जे अगर आओर लोक सभ देखने होताह तं कि सोचताह. ई सभ एकदम सं अनजाना मे भेल अछि. आओर हमर नजर कहिओ ओहन तरहक खराब फोटो पर नहि गेल. नहि तं एहन गप नहि होएल रहैत.
एकटा बात आओर हेलो मिथिला अहां सभक...सभ मैथिलsक मंच अछि... ई एहन दलान अछि जतय हम सभ अपन सुख-दुख बांटय छी... अपन मोनक भड़ास निकालय छी...अपन गाम-घरक गप राखय छी... मिथिला-मैथिलीक विकासक बात करय छी. एहन मे हेलो मिथिलाक... हमरा अहां सभक संग चाही. आगां सं अगर अहां सभ के हेलो मिथिला मे कोनो चीज अपन मिथिलाक संस्कृति...अपन गाम-घरक माहौल के खिलाफ लगय तं जरूर कहब. हमरा मेल करब.. फोन करब. पोस्ट पर कमेंट करब.
हमर तं कोशिश अछि जे अहां सभ सं सदिखन सम्पर्क बनल रहय. अहां सभ सेहो किछ वक्त हेलो मिथिलाक लेल निकालबाक कोशिश करिऔ. एकरे संग इहो आग्रह जे अपन गाम घरक बारे मे कोनो खबर होए...पावनि त्योहार होए... कोनो तरहक फोटो होए... फिल्म होए हमरा भेज देल करु हम ओकरा हेलो मिथिला पर जरूर राखब.
जय मिथिला... जय मैथिली
Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु