नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

नीतीश सरकार के रिपोर्ट कार्ड

नीतीश कुमार सरकारक आई रिपोर्ट कार्ड आएत. मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आओर उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी सरकार के साढ़े चार साल के कामकाज के लेखाजोखा पेश करताह. एहि मौका पर एनडीए सरकार के सभ मंत्री सेहो रहताह...एहि साल राज्य मे चुनाव होए वाला अछि ताहि लेल उम्मीद कएल जा रहल अछि जे एहि रिपोर्ट कार्ड मे सरकार अपन उपलब्धि के जमि क बखान करत.
सरकारक रिपोर्ट कार्ड मे अल्पसंख्यक...महादलित... आओर अतिपिछड़ा लेल चलाएल गेल सरकार के योजनाक विशेष चर्चा होएत... नीतीश सरकारक कोशिश अपन शासन काल के सभ काज के जमता के सामने लानाय रहत .. जेहि सं चुनाव के समय जनता सं वोट मांगय मे दिक्कत नहि होए.
मुदा विपक्ष एकरा सरकारक नौटंकी करार देलक अछि. विपक्ष के कहनाय अछि जे सरकार के अपन सफलता के संग संग विफलता के सेहो रिपोर्ट पेश करबाह चाही. ऐना नहि भेलाह पर विपक्ष खुद सरकारक विफलताक रिपोर्ट कार्ड पेश करत.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com



कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु