नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बीजेपीक गलतीक नतीजा राष्ट्रपति शासन

झारखंड मे राष्ट्रपति शासन लागि गेल. राज्य एकटा आओर चुनावक तरफ बढ़ि गेल. एहन चुनाव जकरा टालल जा सकैत छल. ई सभ बीजेपी के हड़बड़ी आओर अपरिपक्व नेतृत्व के कारण भेल अछि. लोक के नहि चाहितो प्रदेश मे एना भेल. एहि सं बीजेपी के एहिठामक रहल-सहल साख सेहो खत्म भेल जा रहल अछि.
पिछला दिन रांची गेल छलहुं त झारखंड विकास मोर्चा ( प्रजातांत्रिक ) के बाबूलाल मरांडीजी सं भेंट भेल छल. हुनका सं जखन झारखंड के मौजूदा राजनीति पर चर्चा भेल तं हुनकर साफ कहनाय छलन्हि जे बीजेपी एहि मामला मे बलंडर करि रहल अछि. हुनकर कहनाय छलन्हि जे संसद मे वोटिंग के दौरान शिबू सोरेन जीक कांग्रेस के पक्ष मे वोट देबय पर बीजेपी के तुरंत समर्थन वापसी नहि लेबाक चाही छल. किएक त गुरुजी ओहिना चुनाव नहि जीतला के कारण किछ दिनक लेल कुर्सी पर छलाह. मजबूरी मे हुनका कुर्सी छोड़ए के अलावा कोई चारा नहि छलन्हि.
बीजेपी के एहि मुदा के कैश करबाक चाही छल... ओ गुरुजी पर हमला करय के बदला कांग्रेस पर हमला करैत जे कांग्रेस वोटिंग के समय गुरुजी के अपना बीच बैसाsक फेर पुरान मामला दोहरैलक. बीजेपी एहि सं फायदा उठाबय मे चुकि गेल. एना करला पर बीजेपी के दूनु हाथ मे लड्डू छल. कांग्रेस पर हमला आओर गुरुजी सं छुट्टी सेहो.
मुदा बीजेपी आलाकमान हड़बड़ी मे समर्थन वापसी के राग छेड़ देलक. हेमंत सोरेन माफी सेहो मांगि लेलक एहि पूरा प्रकरण पर जे ई सभ गलती से भेल. तखनो बीजेपी बड़ भाई जकां बड़प्पन नहि देखाs एना कएलक... नतीजा राष्ट्रपति शासन.
मरांडी जीक इहो कहनाय छलन्हि जे अगर बीजेपी ओहि टाइम समर्थन वापसी के सिर्फ धमकी दs काज चला लैत आओर किछ दिन इंतजार करैत तं गुरुजी के ई कहय लेल रहैत जे अहां विधायक नहि बनि पएलौं आब हमरा सभ के मौका दिअ आओर मुख्यमंत्री हमर बनत. एहन मे बिना हो-हल्ला के बीजेपी के कुर्सी मिलि जाएत. मुदा आब रहि गेलाह खाली हाथ.
ओना गुरुजी सेहो अपना भरि जीतोड़ कोशिश कएलाह कांग्रेस के सहयोग सं सरकार बचाबय के मुदा कामयाब नहि रहलाह. आओर हालात के देखैत बाबूलाल मरांडीजी सेहो हटले रहलाह. सोचलाह कि चुनाव मे जनाइए बेहतर अछि. हुनका लेल ई नीक रहतन्हि.. किएक तं जखन सभ दल दोसर काज मे फंसल छल तखन ओ राज्य भर मे अपन कार्यकर्ता के बीच सम्पर्क बनाबए मे लागल छलाह... अपन बेस मजबूत करय मे लागल छलाह. ई बात हाल मे रांची मे भेल पार्टी के कार्यकर्ता सम्मेलन...महाधिवेशन मे देखय के लेल मिलल. आओर जेहि हिसाब सं राज्य के राजनीति चलि रहल अछि ओहि मे बाबूलाल मरांडी राज्य के राजनीति मे आओर मजबूत भs क निकलताह एहि मे कोनो संदेह नहि देखा रहल अछि.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com




2 टिप्‍पणियां:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु