नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बाबूलाल मरांडीक राह भेल आसान

पिछला किछ दिन सं कंप्यूटर खराब रहला के कारण अहां सभ सं गप नहि भs पाबि रहल अछि. आई साइबर कैफे सं गप कs रहल छी. एहि बीच काम-काज के बीच बाहर जाए के मौका सेहो मिलल. शनिदिन 23 तारीख के रांची जाए के मौका मिलल. फ्लाइट दिनक ग्यारह बजे के रहय मुदा ओहि दिन मंगलौर मे भोर मे भेल विमान दुर्घटना के कारण मोन मे ओहे बात फंसल छल. मुदा ईश्वरक कृपा सं अनाय-जनाय नीक रहल.
रांची मे हमर गामक लोक सभ एकटा मोहल्ले बसा लेने छथिन्ह. एहि दिन रांची मे जानकी महोत्सव सेहो रहय. मैथिली नीक कार्यक्रम भेल. नेपाल के जनकपुर सं कलाकार सभ सेहो आएल छलखिन्ह. एहिठाम मिथिलाक पकवान... तीमन-तरकारी के इंतजाम त रहबे करय पंद्रह रुपया मे पेट भरि माछ-भात सेहो खा सकय छलहुं.
रांची मे शनि-रवि दू दिन रहलौं. एहि दू दिन मे मैथिली कार्यक्रम आओर बाबूलाल मरांडी जीक महाधिवेशन दूनु के देखबाक मौका मिलल. रांची पहुंचलौं तं पूरा शहर बाबूलाल मरांडी के रंग मे रंगल दिखल. एहिठाम हुनकर पार्टी के राष्ट्रीय महाधिवेशन छल. बिहार के काटि कs जखन झारखंड राज्य बनल छल तं बाबूलाल मरांडीजी एहिठामक पहिल मुख्यमंत्री बनल छलखिन्ह. ओना मरांडीजी तीने साल मुख्यमंत्री रहला मुदा हिनकर राज मे राज्य के जतेक विकास भेल ओतेक दोसर मे नहि भेल किएक तं बाद मे सभ कुर्सी बचाबय आ पाई बनाबय के कोशिश मे लागल रहला.
झारखंड मे अखन जे राजनीतिक हालात अछि ओहि मे लोक सभ के बीजेपी... जेएमएम सभ सं मोह भंग गेल छनि. शिबू सोरेन सरकार सं बीजेपी के समर्थन वापसी के बाद अगर कांग्रेस के सहयोग सं सरकार बनैत अछि तं ओ सरकार कहिआ तक चलत ओकरो कोनो गारंटी नहि देल जा सकैत अछि. आओर ओहन हाल मे बाबूलाल मरांडी जीक पार्टी अगिला चुनाव मे जीत जाए तं ओहि मे कोनो अचरज नहि होबाक चाही.
किएक तं पार्टी के एहि अधिवेशन मे आएल सवा लाख सं बेसि कार्यकर्ता हुनकर संगठन क्षमता के देखाबैत अछि. ई कोनो रैली आ कोनो भाषणक कार्यक्रम नहि छल...एहि ठाम आएल सभ रजिस्टर्ड कार्यकर्ता छलाह... राज्य के सभ साढ़े चारि हजार पंचायत के. एतेक संख्या मे पार्टी कार्यकर्ता के अनाय आओर सभ किछ कुशल-कुशल निपटि जनाए ... ईहो एकटा चमत्कारे कहल जा सकैत अछि. बिहार के पटना मे अगर लाख-डेढ़ लाख कोनो पार्टी के कार्यकर्ता जमा होए तं कई तरहक हंगामा देखल लेल मिलि जाएत छल. मुदा सभ कार्यकर्ता अनुशासित.
जेहिठाम अधिवेशन भेल ओहिठाम लोक सभ तरह-तरह के ठेला... दोकान लगौने छलाह. मुदा कि मजाल जे कोई एको पाई कम दs कs चलि जाए. महिला कार्यकर्ता के संख्या सेहो कोनो कम नहि मुदा सभ निर्भीक.. कोनो डर नहि. महाधिवेशन के लेल तीन टा मेन पंडाल बनाएल गेल छल... ओहि मे मुख्य कार्यक्रम... एकरा अलावा पचासोंटा दोसर-दोसर पंडाल.. कार्यकर्ता सभ के लेल बड़ नीक व्यवस्था. 32टा पंडाल मे तं सिर्फ खाए-पीबय के व्यवस्था. चौबीसों घंटा खाना बनि रहल छल कार्यकर्ता सभ आबि रहल छलाह.. खा रहल छलाह आओर पंडाल मे जा अधिवेशन मे शामिल भs रहल छलाह. कोनो ठाम कोनो हो-हल्ला नहि. हम तं व्यवस्था-बात... इंतजाम देखि कs दंग रहि गेलौं. खाए-पीबय के इंतजाम के अहां एहि बात सं अंदाजा लगा सकय छी जे पहिल दिन खाना बवाबय लेल चालीस टन सं बेसि कोयला खत्म भs गेल.
कार्यकर्ता सभ पर बाबूलाल मरांडी जीक पकड़ के अहां सभ एहि बात सं जानि सकय छी जे जखन दोसर पार्टी के नेता सभ रांची मे कुर्सी के लड़ाई मे फंसल छलाह ओ गाम- गाम मे लोक सं मिलि रहल छलखिन्ह. हुनकर कार्यकर्ता सभ गाम-गाम जा घर-घर जा लोक सभ सं एक मुट्ठी चाउर आओर एक रुपया मांगय छलखिन्ह. ओहि सं करोड़ों लोक सं हिनकर आओर हिनकर पार्टी कार्यकर्ता के सीधा संवाद स्थापित भेलन्हि. दूरदराज के लोक के लेल... जतय कोनो छोटको कार्यकर्ता नहि जाएत होए ओहि ठाम मरांडी जीक जनाए लोक के दिल के छू लेलकन्हि. आओर एहि महाधिवेशन मे ओ साफतौर देखल के लेल मिलल.आओर आई-काल्हि जे राज्य के राजनीति मे भs रहल अछि ओहि सं अहां कहि सकय छी जे बाबूलाल मरांडी के राह आसान भs गेल छनि.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु