नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

नीतीश जीक ब्लॉग हिट...

बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जीक ब्लॉग हिट भs गेल अछि. हुनकर ब्लॉग के बड़ हिट मिलि रहल छनि. सिर्फ एक दिन मे हुनकर पहिल पोस्ट पर करीब साढ़े तीन सय कमेंट मिललन्हि. अहां कहि सकय छी जे नेट के दुनिया मे नीतीश जी छाएल जा रहल छथिन्ह. नीतीश जी अपन ब्लॉग nitish speaks पर 19 अप्रैल के पहिल पोस्ट मुख्यमंत्री बालिका साइकिल योजना के नाम सं लिखलखिन्ह. हुनकर एहि पोस्ट पर आम लोकक जमि कs कमेंट मिलि रहल छनि. अपन कमेंट मे लोक हुनकर काम-काज के तारीफ तं कए रहल छथिन्ह...कई तरहक सवाल सेहो पूछि रहल छथिन्ह.
एक तरहे कहल जा सकय अ कि नीतीश जीक लोक सं संवाद करय के ई पहल कामयाब भs रहल छनि. एहि मंच के माध्यम सं ओ अपन काम-काज...राज्यक विकास के बात तं लोक तक पहुंचएबे करताह... लोकक परेशानी सं अवगत सेहो होताह. लोक सभ के सेहो एकर फायदा उठएबाक चाही. सीधा मुख्यमंत्री सं संवाद के मौका मिलि रहल छनि हुनका. आओर आबय वाला चुनाव के देखैत लोक के तं अपन परेशानी... समस्या...पिछड़ापन के खुलि कS मुख्यमंत्री के सामने रखबाक चाही. किएक तं ओकर हल होए के अखन किछ बेसिए उम्मीद अछि.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com



कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु