हेलो मिथिला पर तीन मास पहिने चर्चा कएने छलहुं जे बिहार मे 25टा मॉटल डिग्री कॉलेज खोलल जाएत. ई कॉलेज ओहन पिछड़ल इलाका मे खोलल जाएत जेहिठाम कॉलेज मे दाखिलाक दर राष्ट्रीय दर 12.4 प्रतिशत सं कम अछि. मुदा ओतेक दिन बितलाक बादहुं एहि मामले मे कोनो खास प्रगति नहि भेल अछि. एहि पर आबय वाला खर्चक एक तिहाई हिस्सा केंद्र सरकार देत. आब जखन केंद्रीय मानव संसाधन राज्यमंत्री डी पुरंदेश्वरी पटना मे आबि एहि पर तेजी सं काज करय लेल कहलीह तखन फेर ई चर्चा जोर पकड़ल अछि. ओना मॉडल डिग्री कॉलेज के लेल जेहि जगह के चयन कएल गेल अछि ओहि मे बेसि मिथिलाक इलाका अछि. यानी कहि सकय छी जे शिक्षा... कॉलेज मे दाखिला के मामला मे अपन मिथिला काफी पिछड़ल अछि. 25 टा डिग्री कॉलेज मे सं जे मिथिला मे खुलत ओहि मे दरभंगा, मधुबनी, समस्तीपुर, बेगूसराय, सहरसा, सुपौल, पूर्णिया, अररिया, मधेपुरा, खगड़िया, कटिहार, सीतामढ़ी, शिवहर, पूर्वी चंपारण, पश्चिमी चंपारण आओऱ किशनगंज शामिल अछि.
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

सर्वप्रथम हम गर्वान्वित भय रहल छि,हेल्लो मिथिलाक संग में |
ReplyDeleteअऔर धन्यबाद अहाँक निक विचार के लेल जाहिमे दरभंगा,मधुबनिक समाचार लिख रहल छि |
helo mithila per sab maithilibasi ke jurishital parwa(baishakhi) ke awsar pe hardik subhkamna.thore bahut mithila parwa per seho likhal jebak chahi.
ReplyDelete