नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बिहार शाइनिंग ?

इकनॉमिस्ट... न्यूज़वीक... इकनॉमिक टाइम्स... विश्व बैंक... इंडिया टूडे सं लsक देश-दुनिया के तमाम पत्र-पत्रिका... न्यूज़ चैनल पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के जयगान... गुणगान भs रहल अछि. जिम्हर देखु कहल जा रहल अछि जे बिहार मे बदलावक बयार बहि रहल अछि. बिहार विकासक राह पर चलि पड़ल अछि. राज्य मे कानून-व्यवस्थाक राज स्थापित भs रहल अछि. चारू कात अमन केर माहौल अछि. लोक देर राति तक फेर सं सड़क पर टहलय लेल निकलय लगलाह अछि. लोक मे बिहारक प्रति एक बेर फेर सं नीक धारणा बनि रहल अछि. बिहार एक बेर फेर सं देश के अगुआ बनय के दिशा मे अग्रसर अछि. माहौल सुधरि रहल अछि. सभ किछ पटरी पर आबि रहल अछि.
मुदा कि सच मे बिहार पटरी पर आबि रहल अछि ? कि बिहार मे सच मे विकासक बयार चलय लागल अछि ? आ ई सभ सिर्फ ऊपरे-ऊपर दिख रहल अछि ? कि सभ किछ कागजे पर भs रहल अछि ? कि ई सेहो वाजपेयी सरकारक इंडिया शाइनिंग जकां अछि ? कि नीतीश सरकार के हाल सेहो वाजयेपी सरकार जकां होएत?
ई जरूर अछि जे कानून- व्यवस्था के माहौल किछ सुधरल अछि. मुदा एकदम सं परिवर्तन भs गेल अछि से नहि अछि. बिहार के किछ इलाका मे सड़क के छोड़ि देल जाए त आओर कि काज भेल अछि से देखा नहि रहल अछि. नीतीश सरकार के पांच साल होबय जा रहल अछि... मुदा एहि दौरान कोनो बड़का उद्योग-धंधा शुरू भेल होए से नहि देखा रहल अछि. निवेशक गप सिर्फ कागजे पर अछि. नीतीश कुमार खुद आओर सुशील कुमार मोदीजी दूनु गोटे शिलान्यास पर शिलान्यास कs रहल छथिन्ह. मुदा ओहि परियोजना सभ के कि हाल अछि से अहां के इलाका मे गेला के बादहिं पता चलत.
स्कूल सभ मे ठेका पर मास्टरजी के भर्ती कs शिक्षा व्यवस्था के मटियामेट कsदेलखिन्ह. फेर साइकिल आओर पोशाक पर करोड़ों रुपया खर्च भेल ओ व्यापारी वर्ग के फायदा पहुंचा रहल अछि. करोड़ों रुपया के कपड़ा आओर साइकिल के कारोबार भsगेल.
राज्य मे सड़क के हाल नीक भेल अछि मुदा कई इलाका मे ई पांच साल सं बनि रहल अछि पूरा होए के नामे नहि लs रहल अछि. आब हमरे गाम के देख लिअ... दरभंगा सं केवटी दs क जयनगर वाला रास्ता पांच साल सं बनि रहल अछि मुदा आई धरि नीक नहि भेल. सड़क एतेक उबड़-खाबड़... खत्ता वाला बनि गेल अछि जे लोक बस पर भगवाने के नाम लsक चलय छथिन्ह.
सरकार भने कहय जे विकासक कारणे लोक के पलायन रुकि गेल अछि. लोक आब पंजाब... हरियाणा... दिल्ली...मुम्बई जाय के जगह अपन गामे मे काज करनाय नीक समझि रहल छथिन्ह... ई एकदम नहि अछि. लोक के अखनो गाम-घर छोड़ि कमाय लेल बाहर जनाय जारी अछि. एकर नजारा अहांके स्टेशन पर बाहर जाए वाला ट्रेन मे देखय लेल मिलि जाएत. खेती... सिंचाई... बिजली के हाल बेहाल अछि. बिजली कखन आएत आओर कखन जाएत तकर कोनो ठिकान नहि. आखिर अहां हर बात पर केंद्र के कहिआ तक गरिआबैत रहबय. अगर केंद्र सं सहयोग नहि मिलि रहल अछि त दोसर उपाय करु. बाढ़ि... रौदी... दाही के बाद आब लोक महंगाई सं सेहो मरि रहल अछि.
एहन मे लगैत अछि जे नीतीश के नारा कहिं पेपरे... अखबारे आ चैनले मे नहि रहि जाए आओर हिनकर हाल वाजपेयी जी जका भs जाए. आंध्र प्रदेश मे चंद्रबाबू नायडू के शासन काल मे दुनिया भर मे हुनकर नामक डंका बाजय छल... मुदा चुनाव मे एहन पटखनी खएलाह जे अखन धरि हुनकर पार्टी के होश नहि आएल.
लोकतंत्र के ई बड़का बात अछि जे जनता चुपचाप अपन फैसला सुनाबैत अछि आओर ओहि मे बड़का-बड़का हवा मे उड़ि जाए छथिन्ह. फेर एहि बेर त केंद्र सरकार मे मंत्री नहि रहबाक कारणे लालूजी आओर पासवानजीक पूरा समय बिहारे मे रहय छनि. ओ साल भर पहिने सं चुनावक तैयारी मे जुटल छथिन्ह . एकरे संग एहि बेर राहुल गांधी सेहो कांग्रेस मे नया जान डालि नीतीश कुमार के परेशानी बढ़ाबय वाला छथिन्ह. एहन मे नीतीशजी के सोचय पड़तन्हि जे आगां सभ किछ नीक नहि अछि. बिहार शाइनिंग के बेहतर परिणाम के लेल अखनो जोर-शोर सं काज पर जोर देथुन्ह त किछ नीक भs सकय छनि... नहि त वोटर पर ककर जोर चलय अछि ओहु मे आजुक इलेक्ट्रॉनिक वोटिंग के जमाना मे.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

3 टिप्‍पणियां:

  1. बिहार में जे बयार बही रहल छै तै पर बहुत सटीक टिप्पणी केलों अहाँ.

    जवाब देंहटाएं
  2. shriman lekhk mahodai
    hell mithila
    ahan ken lekh bahut badhyan lagal aaur samsamayik khabar likhlan.aihan khabar ken lel bahut dhanyvad. sahi main bihar kein vikash purush nitish kumar kean sahashan kaal main bihar ken desh videsh main bahut naam bhel. aaur ek baar nitish ji kein aaur mauka deik chahi.ekar bare main jaati,dharm sen upar uthi kein soch ki sarkar banbak chahi.thahi main mithila aaur bihar ken kalyan hoyat.dhyanbad.
    apnek subhchintaK
    Rama kant chaudhary
    rkchaudhary2020@gmail.com

    जवाब देंहटाएं
  3. Sandeep jee aur Ramakant jee... ahank bahut bahut dhanyawad... ehine utsaahbarhaabait rahiyau...

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु