नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

मिथिला पर ममता

हि बेरक रेल बजट मे एक बेर फेर बिहार के लॉलीपॉप थमा देल गेल. रेल मंत्री ममता बनर्जी कहलीह कि मधेपुरा आओर मढ़ौरा रेल कारखाना के काज जल्दीए शुरू करि देल जाएत मुदा ई तं पहिनहि के रेल परियोजना अछि जकरा ओ रोकने छथीह.आ काज मे हाथ नहि लगवा रहल छथीह. बजट मे बिहार के लेल किछ नवका ट्रेनक घोषणा कएल गेल अछि मुदा ओ केवल दुनिया के देखाबय के लेल अछि दे देखिऔ हम बिहार के संग कोनो भेदभाव नहि कएलहुं. छोट-छोट आ कम महत्व वाला ट्रेन देल गेल अछि. बिहार के लेल दुरंतो के आस... आसे रहि गेल. बिहारक एकोटा स्टेशन आदर्श स्टेशनक सूची मे नहि आएल. जतय दोसर ठाम मेडिकल कॉलेज खुलत ओतय एहिठाम किछ रेलवे अस्पताल खुलत.
एक गप जरूर अछि जे ममताजी बिहार के लेल जे घोषणा कएलीह ओहि मे बेसि मिथिलाक लेल अछि. दरभंगा सं मुम्बई के बीच एकटा साप्ताहिक ट्रेन चलत. कोलकाता सं सेहो दरभंगा के लेल एकटा ट्रेन देल गेल अछि ई हफ्ता मे दू दिन चलत. रांची-जयनगर एक्सप्रेस सेहो दू दिन चलत. न्यू जलपाईगुड़ी सं कटिहार होएत अमृतसर तक जाए वाला एकटा ट्रेन सेहो अछि. किशनगंज सं अजमेरशरीफ के बीच चलय वाला ट्रेन हफ्ता मे एक दिन खुलत. कटिहार-तेजनारायणपुर के बीच एकटा पैसेंजर देल गेल अछि. सियालदह-किशनगंज एक्सप्रेस के घोषणा सेहो कएल गेल. रेल बजट मे इहो कहल गेल अछि जे मुजफ्फरपुर-सीतामढ़ी के बीच नवका रेल लाइन बिछा देल जाएत.
एकर अलावा पटनासाहिब सं मदुरै के बीच भारत तीर्थ एक्सप्रेस नामक ट्रेन चलत. एहने ट्रेन हावड़ा-गया-आगरा के बीच आओर इलाहाबाद-गया के बीच सेहो चलत. राजगीर-हावड़ा के बीच हफ्ता मे तीन दिन नवका ट्रेन चलत. पैसेंजर ट्रेन में पटना-आरा-सासाराम आओर बख्तियारपुर-गया के बीच नवका पैसेंजर ट्रेन चलत. पटना-बंगलुरु के बीच चलय वाला संघमित्रा एक्सप्रेस आब रोज करि देल गेल अछि. बजट मे किउल-गया रेल लाइन के दोहरीकरण के प्रस्ताव सेहो अछि.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


2 टिप्‍पणियां:

  1. bahut neek lekh.muda bihar ke lel raij bujat milajula k thik chaik-e hamara bujhait achi.

    जवाब देंहटाएं
  2. jai mithila! jai maithil!!

    mithila ke rajya ke roop main prastut huye ee ta abhilasha achhiye sange sang mithila main vikasak prayas seho hoyabak chahi kal karkhana je band paral achhi takara shuru karebak prayas seho hoyabak chahi, swarojgar biksit kara ke prayas kayal jaye jahisa majdoor dosar rajya main nai jaka apne rajya main karj karaith, shiksha ke seho sudharai ke prayas hoyabak chahi.
    diya slai sa airoplan tak banbai main apna ohitham admik shram aur sahyog rahait chhani muda apna ohitham kichhu nai banait achhi.
    mithila basi shram dani chathi. sab thamak vikas main hunkar shram daan kail chain aei okar badla main hunka dutkar bhet rahalchain. o kichhu laka nahi ota sa yalah bas kono tarahe apan aa apan pariwar ke bhojanak vyavstha kela.
    bharatak sab shahar ke nirmaan main maithilak shram lagal chhain muda bihar aur mithila main ek ta nik shahar nai bana sakalah
    ham bishesh roop sa sab maithil sa bas atbe anunaya binay karait chhiyan je kichhu mithilo ke lel shram daan karaith aa okro vishwa starak sundar mithila banabai ke prayas karaith. viksit mithila nirman karaith. shikshit susanskrit mithila banabaith.

    jitendra kumar mishra
    jai mithila!
    jai maithil!!

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु