नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

राज सं लाचार कांग्रेस


महाराष्ट्र विधानसभा मे महाराष्ट्र नवनिर्माण सेना के विधायक जमि कs बवाल करलक. समाजवादी पार्टी के विधायक अबु आजमी के हिंदी मे शपथ लेबय सं रोकय के पूरा कोशिश करलक. शपथपत्र छीन लेलक. हाथापाई करलक. एतेक सभ भेलाह पर कांग्रेस के कहनाय अछि जे महाराष्ट्र नवनिर्माण सेना प्रमुख राज ठाकरे कानून के मखौल उड़ा रहल अछि. ओ कानून... संविधान के अनादर करि रहल अछि. कतेक हास्यास्पद गप अछि. कांग्रेस ई बात करि रहल अछि. जकर राज्य आओर केंद्र दुनू ठाम सरकार अछि.
आखिर राज ठाकरे के शुरुए सं एतेक सिर पर के चढ़ौलक ? कांग्रेसे नहि ? मराठी मानुष आओर यूपी-बिहारी भैया सभ के खिलाफ मारि-पीट करय के मामला होए. यूपी-बिहारी वापस जाओ के नारा लगाबय के होए. कांग्रेस शुरूए सं कड़ा रुख अपनौने रहैत त एहन हाल नहि रहैत? सवाल इहो अछि जे अगर कांग्रेस आओर शरद पवार जीक एनसीपी... राज ठाकरे के बढ़ावा नहि देने रहैत त कि आई महाराष्ट्र मे कांग्रेस-एनसीपी के सरकार बनैत? कहि सकय छी...कदापि नहि? ओ त राज ठाकरे छथि जिनके प्रतापे बाल ठाकरे के शिवसेना के वोट कटल आओर कांग्रेस-एनसीपी आगां बढ़ि सकल. एकदम सं अंग्रेज वाला फूट डालो राज करो के नीति.
राज ठाकरे चुनाव खत्म भेलाह के बादे सभ विधायक के कहि देने रहय जे अहां सभ मराठी मे शपथ लिअ. अगर मराठी मे शपथ नहि लेब त हमर लोक अहां सभ के रोकि सकैत अछि आ दोसर कदम उठा सकैत अछि. लोक के देश मे कोनो भाषा पढ़य...लिखय... बाजय... शपथ लेबय के अधिकार देल गेल अछि. आओऱ फेर हिंदी त राष्ट्रभाषा अछि. आब अहां सोचि सकय छी जे कि राज ठाकरे आओर एहि कांग्रेस सरकार के रहैत देश मे कोनो विधायक हिंदी मे शपथ नहि लs सकैत अछि कि ?. अगर हिंदी मे शपथ नहि ल सकैत अछि त अहां मैथिली... संस्कृत... उर्दू... गुजराती... पाली के बारे मे सोचि सकय छी जे कि हाल होएत?
महाराष्ट्र मे ई सभ भेल मुम्बई महानगर मे. जतय अहां सोचि सकय छी जे आधा सं बेसि लोक बाहरी होएत... कमाय... खाय के लेल आएल लोक. फिल्मी दुनिया... सरकारी दफ्तर मे काज करय वाला... फैक्ट्री... कारखाना... दोकान मे काज करय वाला. कारोबार के लेल दोसर ठाम सं आएल लोक. महाराष्ट्र के दोसर हिस्सा के बात छोडु मुदा मुम्बई मे त बेसि अंग्रेजीए चलैत अछि. मराठी हिंदी त छोडु. बॉलीवुड फिल्म के हिंदी डॉयलॉग सेहो रोमन मे लिखल रहैत अछि. ओहि ठाम राज ठाकरे के पार्टी के एहन हंगामा पर राज्य सरकार किएक चुप अछि किछ कहल नहि जा रहल अछि. राज्य के मुख्यमंत्री कहय छथिन्ह ई अशोभनीय घटना अछि. ओ किछ करताह नहि. बस डॉयलॉग छोड़ताह. हिनका सं पहिने जे मुख्यमंत्री छलाह देशमुखजी हुनको सेहो हाल छलन्हि. महाराष्ट्र मे जखन यूपी-बिहारी के पीटल जा रहल छल तखन ओ चुपचाप सिर्फ देखैत रहलाह.
आओर एहन नहि अछि जे ई सभ एकाएक भेल होए. राजठाकरे पहिने सं एकर धमकी देने छल तखनो किछ नहि भेल इहे त बड़का शर्म के बात अछि. ओना सभ पार्टी के दबाव के देखैत बाद मे महाराष्ट्र नवनिर्माण सेना के चारिटा विधायक के चारि साल के लेल निलंबित करि देल गेल. आब देखु आगां कि होएत अछि.



Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु