नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

किसान भाई पर ध्यान


सूखा आओर बाढ़ि के बाद बिहार सरकार के ध्यान आब किसान भाई पर गेल अछि.  किसान भाई के खेती के आधुनिक तकनीक के जानकारी देबय लेल राज्य मे 166 टा ई-किसान केंद्र खोलल जाएत.  एहि ई-किसान केंद्र पर खेती के उन्नत तरीका के संग खाद-बीज के सही इस्तेमाल... पाला आओर कीट सं फसल के केना बचाएल जाए ई सभ बताएल जाएत.  एहि केंद्र पर किसान भाई सं जैविक...ऑर्गेनिक खेती के फायदा सेहो बताएल जाएत.  ई- किसान केंद्र खोलय के संग-संग सरकार के योजना हर गाम मे कृषि विकास रथ सेहो भेजय के अछि.  एहि कृषि विकास रथ मे कृषि वैज्ञानिक के संग पशुपालन आओर सहकारिता विभाग के लोक सेहो रहताह.  एक अक्तूबर सं ब्लॉक के पांच-पांच पंचायत मे कृषि विकास शिविर सेहो लगाएत जाएत.  एहि शिविर मे किसान भाई के सेहो बढ़ि-चढ़ि के हिस्सा लेबाक चाही.  आधुनिक-उन्नत खेती के फायदा उठाएबाक चाही. जेहि सं पैदावार के संग-संग कमाई सेहो बढ़य.



Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु