नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

डॉक्टर लौटला... मुदा नुकसान के भरपाई केना होएत ?

पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


8 टिप्‍पणियां:

  1. चलु आब लोक के राहत मिलत ।

    राजेश, देवधा, मधुबनी

    जवाब देंहटाएं
  2. Aawashyak sewa ke Hadtal par sarkar ke ban laga debaa chahi.
    Raushan, Jhanjharpur

    जवाब देंहटाएं
  3. haan Ummeed ta sehe karbaak chaahi. vichar raakhai lel dhanyawad

    जवाब देंहटाएं
  4. doctor ke bhagwanak dosar roop kahal jayat achhi...muda aju- kali doctor me manaviyata'k nitant abhav bh'a gel achhi...hinka sabh ke kekrahu marla athwa kekrahu jila sa kono wasta nahi achhi....

    जवाब देंहटाएं
  5. Mujhe padhne ke liye bahut dhanyawad sir ! is tarah ka protsahan mujh jaise bachhon ko likhne ke liye prerit karta hai...
    Ajay Chandel
    09350104007

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु