नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

राज्यपाल करताह बाढ़ि प्रभावित इलाका के दौरा

बिहार के राज्यपाल देवानंद कुंवर काल्हि शनि दिन मिथिला के बाढ़ि प्रभावित इलाका के दौरा करताह. अपन दौरा के क्रम मे वो दरभंगा हवाई अड्डा पर अधिकारी सभ सं बाढ़ि के हालात पर चर्चा सेहो करथिन्ह. बाढ़ि के जाएजा ल राज्यपाल जरूरी निर्देश सेहो देथिन्ह. दरभंगा के हवाई अड्डा केवटी ब्लॉक मे पड़ैत अछि आओक केवटी ब्लॉक के खिरमा के पास राष्ट्रीय राजमार्ग पर पानि बहय के कारण लोक के अनाय जनाय बंद भेल अछि. हमर गाम केवटीक सम्पर्क जिला मुख्यालय दरभंगा सं कटल अछि.
बाढ़ि के हालत पर स्थानीय स्तर पर सेहो चर्चा कएल गेल. प्रखंड मुख्यालय मे भेल एकटा बैठक मे बीडीओ साहेब के संग प्रखंड के सभ बड़का अफसर... सभ पार्टी के नेता आओर गणमान्य लोक सभ हिस्सा लेलाह. एहि बैठक मे प्रखंड के छबीसों टा पंचायत के बाढ़ि प्रभावित घोषित करय के प्रस्ताव पास कएल गेल. अधिकारी सभ के कहनाय छनि जे सरकार के तरफ सं प्रखंड के सभ किसान के बाढ़ि से नुकसान पहुंचल फसल के मुआवजा मिलतन्हि... माल-मवेशी के लेल चारा के इंतजाम कएल जाएत... आओर अनाज के व्यवस्था कएल जाएत. जिलाधिकारी के तरफ सं सेहो कहल गेलन्हि जे शुरुआत मे बाढ़ि प्रभावित सभ लोक के एक क्विंटल अनाज आओर ढ़ाई सय के करीब रुपया देल जाएत.
ओना मिथिलाक दोसर इलाका मे बाढ़ि के सेहो हाल बड़ खराब अछि. दरभंगा के संग मधुबनी... समस्तीपुर... सीतामढ़ी... कटिहार... खगड़िया... सुपौल के लोक परेशान छथिन्ह. भीतर आओर दूरदराज के इलाका के लोक सभ के पास राहत नहि पहुंचि पाबि रहल अछि. लोक सभ के पास जिनगी बचाबय के लेल संघर्ष करि रहल छथिन्ह.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


2 टिप्‍पणियां:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु