नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

रेल सेवा बहाल...

झंझारपुर-निर्मली रेलखंड पर रेल सेवा फेर सं बहाल करि देल गेल अछि. एहि रेलखंड पर परसा के पास पटरी पर पानि आबि जाए के कारण रेल चलनाय बंद करि देल गेल छल.  मुदा जे हाल सं मधुबनी... दरभंगा जिला के नदी सभ मे पानि के स्तर बढ़ि रहल अछि...  पानि मे उफान बढ़ि रहल अछि.  ओकरा देखैत लगैत अछि रेलसेवा फेर रोकय पड़ि सकैत अछि. मधुबनी के घोघरडीहा के कई गाम मे बाढ़ि के संकट ठाड़ भs गेल अछि. एम्हर पिछला दिन उत्तर बिहार आओर नेपाल के कई इलाका मे भेल जोरगर पानि सं नदी... नाला मे पानि उफनय लागल अछि.  कमला... भूतही बलान... बागमती... कोसी नदी मे पानि बढ़ला सं मिथिला के एकटा बड़का इलाका मे बाढ़ि जका हालात भेल जा रहल अछि.  कई ठाम प्रमुख सड़क पर पानि बहि रहल अछि...  जकरा कारण लोक के आबय-जाय मे परेशानी भs रहल छनि.  कई ठाम त आवागमन रोकि सेहो देल गेल अछि.
मुदा पानि मे फंसल लोक सभ के शिकायत छनि जे हुनका प्रशासन तरफ सं जे मदद मिलबाक चाही से नहि मिलि रहल छनि.  हुनका पास राहत नहि पहुंचि रहल छनि.  खाय-पिबय के संकट ठाड़ भs गेल छनि...   कई ठामक लोक के खएला-पीएला कई-कई दिन भs गेल छनि.   लोक सभके सभ किछ अपने बले करय पड़ि रहल छनि.   कई ठाम नदी के पानि सं भारी कटाव सेहो भs रहल अछि.   लोक सभ डरल छथिन्ह जे कटाव जारी रहल त कि कएल जाएत ?   बेसि कटाव भेलाह पर ओ कतs जएताह? गाम मे पानि घुसला पर बांध पर शरण लेए छथिन्ह... जखन बांधे कटाव के शिकार बनि जाएत... तटबंधे टूटि जाएत त कि होएत ?
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु