नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

मिथिला पेंटिंग के म्यूजियम

मिथिला पेंटिंग के लेल एकटा म्यूजियम बनाएल जाएत. ई कहनाय छनि बिहार के कला, संस्कृति आओर युवा मामला के मंत्री रेणु देवी जीक. हुनकर कहनाय छलनि जे सरकार एकरा लेल अपना तरफ सं हर तरहक कोशिश करत. रेणु देवीजी मिथिला पेंटिंग कार्यशाला के अंतिम दिन कलाकार सभ के ई बात कहलखिन्ह. रेणुजी इहो कहलीह जे मिथिला पेंटिंग अखन धरि मिथिला के लोक शैली के जीवित रखने अछि... आओर राज्य सरकार सेहो प्राचीन धरोहर के सुरक्षित राखय के कोशिश मे लागल अछि. मिथिला पेंटिंग आब मधुबनी पेंटिंग के नाम सं सेहो जानल जाएत अछि.
कार्यशाला मे लोकसभ के कहनाय छलनि जे मिथिला पेंटिंग के आओर लोकप्रिय बनाबय के जरूरत अछि. दुनिया भरि मे एकर चाहय वाला के संख्या बढ़ि रहल अछि... जखन कि खुद मिथिला के लोक अपन जड़ सं विमुख भs रहल छथिन्ह. एहि बारे मे लोक के जागरूक बनाबय के सेहो जरूरत अछि. कार्यशाला मे कलाकार सभ अपन अपन पेंटिंग के प्रदर्शनी सेहो लगौने छलखिन्ह. एहि मे भाग लेबय वाला कलाकार सभ के पुरस्कार सं सम्मानित सेहो कएल गेल.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु