नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बाढ़ि या सूखा

आओर जिला भs सकैत अछि सूखाग्रस्त
बिहार मे सूखा के जायजा लेबय के लेल 11 अधिकारी के दल आई-काल्हि बिहार मे अछि. सूखा सं हाल बेहाल अछि. पानि के दिन मे सूखा इहो एकटा अचरजे अछि. किछ लोक एकरा प्रकृति के मारि कहैत छथिन्ह त किछ प्रकोप. मुदा केंद्र सं जे टीम आएल अछि ओहि टीम के दुविधा इहो छनि जे किछ इलाका जे सूखाग्रस्त घोषित अछि ओहि ठाम बाढ़ि आबि गेल अछि. आब रिपोर्ट मे कि लिखल जाए. मुदा जानकार लोक के कहनाय छनि जे ई त नेपाल मे भेल भारी पानि के कारण अछि... नेपाल के पानि छोड़ला के कारण अछि... पानि मे जलस्तर बढला के कारण अछि आओर एकर एहिठाम के किसान के कोनो फायदा नहि अछि. फसल के कोनो लाभ नहि होएत. दू-चारि दिन मे जखन पानि बहि जाएत त फेर सूखा के असर रहत.
ई हाल त ओहि इलाका के अछि जतय नेपाल सं आएल पानि के कारण बाढ़ि आबि गेल अछि...मुदा कइटा इलाका एहन अछि जतय बाढ़ि नहि आएल अछि... पानिओ नहि भेल अछि आओर सूखाग्रस्त घोषित सेहो नहि कएल गेल अछि. मुदा हाल सूखा वाला अछि. लोक सभ विरोध मे उतरि गेलाह. धरना प्रदर्शन सेहो भ रहल अछि सूखाग्रस्त घोषित करय लेल. एहि सभ के देखैत सरकार किछ आओर जिला के सूखाग्रस्त घोषित करि सकैत अछि. एहि के लेल सरकार के तरफ सं दरभंगा... मधुबनी... समस्तीपुर... सुपौल... सहरसा... पूर्णिया... खगड़िया... अररिया... शिवहर... पूर्वी चम्पारण... पश्चिमी चम्पारण आओर गोपालगंज मे अधिकारी जा रहल छथिन्ह. ओ रिपोर्ट देथिन्ह. ओकर बाद आओर जिला सूखाग्रस्त घोषित होएत.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु