नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

नहि होएत आनलाइन पिंडदान...

गया मे होए वाला पितृपक्ष मेला के दौरान जे आनलाइन पिंडदान कराबय के बात चलि रहल छल ओकरा टालि देल गेल अछि. एहि सं पहिने बिहार के उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी बिहार सं बाहर रहय वाला लोक के लेल आनलाइन पिंडदान शुरू करय के प्रस्ताव रखने छलखिन्ह. मुदा गया पितृपक्षा मेला प्राधिकरण के बैसार मे एकरा लागू नहि करय के फैसला लेल गेल. बैसार मे ई कहल गेल जे कइटा धार्मिक संगठन एकर विरोध कएलक अछि. बैसार मे एकरा वैदिक संस्कृति आओर हिंदू घर्म के आस्था पर चोट करनाय बताएल गेल. बैसार मे शामिल बिहार सरकार के मंत्री अश्विनी चौबे सेहो एकर विरोध कएलखिन्ह. हुनका विरोध करतहि सभ सुर मे सुर मिलाबय लागलखिन्ह.
चौबे जीक कहनाय छलन्हि जे पिंडदान ओहे करय छथिन्ह जिनका अपना पुरखा के लेल श्रद्धा रहय छनि. एकरा लेल गया...बदरीनाथ जाए पड़य छनि. ओना मंत्रीजी ई जरूर निर्देश देलखिन्ह जे मेला के प्रचार-प्रसार जरूर कएल जाए. अखबार... पत्रिका... टीवी... वेबसाइट पर पर पिंडदान के महात्म लोक के बताएल जाए. एकरे संग अधिकारी सभ के 3 सितम्बर सं शुरू होए वाला मेला के लेल सभ तरहक तैयारी समय पर पूरा करय के लेल सेहो कहल गेल.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


5 टिप्‍पणियां:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु