नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

कि बूढ़- बीमार लोक राज्यसभा मे होबाक चाही ?

जेडीयू नेता जॉर्ज फर्नांडिस राज्यसभा सांसद बनि गेलाह .  फर्नांडिसजी एहि बेर पार्टी सं टिकट नहि मिलला पर मुजफ्फरपुर सं लोकसभा चुनाव सेहो लड़ल छलाह मुदा जीत नहि पएलाह.  ओहि टाइम  बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार हुनका भरोस देने छलखिन्ह जे अहां चुनाव नहि लडुं अहां के राज्यसभा भेज देल जाएत.  मुदा ओहि समय हुनका चढ़ाबय वाला लोक सभ चुनाव लड़बा देलखिन्ह.  तखन ओ इहो कहने छलखिन्ह जे समाजवादी नेता चुनाव लड़ि कs संसद मे पहुंचैत अछि...  राज्यसभा के रास्ता सं नहि.   मुदा हारला के बाद फेर ओहे रास्ता अख्तियार कएलाह.
ओना त फर्नांडिस जी नीक नेता छथिन्ह.  मुदा आब हुनकर उम्र भेलन्हि. उम्र के असर... फेर खराब स्वास्थ्य.  ओ काफी दिन सं अस्वस्थ चलि रहल छथिन्ह.  अस्वस्थ रहले के कारण नीतीश जी हुनका टिकट नहि देने रहथिन्ह.  स्वास्थ्य नीक नहि रहला के कारण राज्यसभा के शपथ लेबय लेल जखन संसद पहुंचलाह. दोसर नेता सभ हिनका सहारा देने छलखिन्ह. शपथ लेबय काल सेहो दोसर सांसद मदद कएलखिन्ह. ठीक सं आवाज सेहो नहि निकलय छलन्हि. लोक के त शपथ मे सिर्फ हुनकर नामे टा सुनाय पड़लन्हि.
आब सवाल ई अछि जे कि एहन हाल मे हुनका सांसद बनबाक चाही छल ? सांसद बनाबय के प्रति पार्टी के किछ जिम्मेदारी अछि कि नहि ?  कि पार्टी  जिनका चाहत हुनका एमपी बना देत ?  कि बूढ़... बीमार लोक से राज्यसभा मे जएबाक चाही ?   
सभ किछ के उम्र होएत अछि.  अखन हुनका आराम करबाक चाही.  स्वास्थ्य लाभ करबाक चाही छल.  सांसद बनला पर कई तरहक जवाबदेही... जिम्मेदारी होएत अछि.  ई उम्र हुनकर सेवा करबाबय के छनि...  करय के नहि.  हुनकर योगदान के लोक नहि भूलतन्हि... मुदा आब देश के लेल योगदान देबय वाला दोसर लोक के त आगां आबय दिओन्हि.   युवा सभ के मौका दिओन्हि.   बिहार मे योग्य लोक के कोनो कमी नहि छनि.    जेडीयू के राजनीतिक फायदा छोड़ि कोनो स्वस्थ लोक से राज्यसभा के लेल भेजवाक चाही छल.   जे राज्य...  देश के लेल अपन पूरा योगदान द सकय छलखिन्ह.    जेडीयू के अगर हुनकर बेसि फिक्र छल त... हुनका देखभाल के लेल आओर दोसर तरीका खोजबाक चाही छल. 
 सांसद के काज बड़ जिम्मेदारी वाला रहय छनि.  राज्य... देश- दुनिया के विकास के लेल काज करय पड़य छनि.  कि एहि उम्र मे बूढ़... बीमार राजनेता के संन्यास नहि ल लेबाक चाही छल ?  कि पार्टी मे आओर दोसर नेता के अकाव पड़ि गेल छलन्हि ?  दोसर के लेल उम्र तय करय वाला राजनेता अपना बेर मे मुंह किएक फेर लय छथिन्ह ?   अहां सभ के कि लगैत अछि कि हुनका सांसद बनबाक चाही छल ?   कि राज्यसभा मे किनको भेजय के बस एकटा औपचारिकता निभाएल जाएत अछि ?
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


6 टिप्‍पणियां:

  1. आपने बहुत बढिया बहस छेड़ दी है ।

    राजेश, गाजियाबाद

    जवाब देंहटाएं
  2. राजनेता को भी समय पर रिटायर हो जाना चाहिए।

    जवाब देंहटाएं
  3. ehi umr me bhagwan ke naam lena chahi. muda kursi je na karabe

    जवाब देंहटाएं
  4. Netaon ke liye bhi umr tai kar di jaani chahiye. Jab budhata hai to neta kya nahi budhayega.
    Manoj Jha, Noida

    जवाब देंहटाएं
  5. Thank you Hitendra,

    I am writing regularly now.And I was waiting to see when you could reach my blog.I am very happy.

    Shesh

    sheshji@gmail.com

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु