नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

आब भगवाने पर भरोस...

सीतामढ़ी मे आएल बाढ़ के पानि मे किछ कमी आएल अछि. मुदा लोक के परेशानी कम नहि भs रहल अछि. सैकड़ों लोक अखनो खुलल आसमान के नीचा रहय लेल विवश छथिन्ह. सरकार के तरफ सं जे शिविर बनाएल गेल अछि ओ अतेक दूर अछि जे एहि बाढ़ि मे ओतय जनाए मुश्किल के आओर पहाड़ बना दैत अछि. सवाल इहो भs जाएत अछि जे केना अपने जाउ... आओर केना माल-मवेशी के ल जाउ. लोक सभ के राहत... बचाव के लsक शिकाएत सेहो बढ़ि रहल छनि. लोक सभ के कहनाए छनि जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमारजी हवाई सर्वेक्षण कएला... किछ देर रुकला आओर हुनका गेलाह के बाद अफसरो सभ चलि गेलाह. सिर्फ देखाबए लेल राहत के काज भs रहल अछि.
किछ लोक के चूड़ा... गुड़... दवाई मिललन्हि. मुदा ओ एतेक कम अछि जेहि सं एक सांझ... एक पहर के जीवन काटनाय मुश्किल लगैत अछि. पैघ- सयान लोक त केहुना दिन काटि लैत छथिन्ह मुदा जखन नैना... धिआ-पुता भूख सं कानैत अछि त लोक के करेज फाटय लागए छनि. तटबंध टूटला के बाद लोक के एतेक फुरसत... समय नहि मिललन्हि जे ओ किछ सामान राखि सकताह. सभ सामान छोड़ि जीवन बचाबए लेल जेहिना छलाह... ओहिना भागलाह. एक कन्हा पर बौआ के संभारने... दोसर हाथ सं माल-मवेशी के डोर पकड़ने. आब ऊंच ठाम... बांध पर आबि त गेल छथिन्ह. मुदा जे बीत रहल छनि ओकरा देखैत हुनका सभ के एतबे कहनाय छनि जे ऐहन जिनगी सं त घर परे पड़ल रहितौं केहुना कs.
एक त उमस वाला गरमी के दिन... ऊपर सं कखनो बरैस जाए वाला पानि. छोट- मोट तिरपाल मे केना अपने बचाएल-जाए... केना जिगर के टुकड़ा के. धिआ-पुता के बचाबय के एकेटा उपाय रहय छनि आंचर. मुदा किछ देर बाद आंचरों सं पानि टपैक बौआ के भिजाबय लगैत अछि. केना कि कएल जाए किछ नहि फुराएत छनि. एक त बांध पर एकांत मे चारु कात पानिए पानि. दोसर नेना सभ के लेल कोनो चीज नहि. एहन मे कतs स दूध लाएल जाए आ कतs सं पानि. पानि त चारु कात अछि मुदा पिबय वाला एक चुरुआ नहि.
दिन त लोक केहुना काटि लैत छथिन्ह बांध पर टहलि... घुमि-फिर कs. मुदा खुलल आकाश के नीचा राति काटनाय... हे भगवान एहन दिन ककरो नहि दिखबिअह. झिंगुर के आवाज ... कुकुर के कनय के आवाज दिल के धड़कन के आओर बढ़ा दैत अछि. मन मे दस तरहक बात आबैत रहय छनि लोक सभ के. मुदा भोर भेलाह के बाद सूरज भगवान के गोर लगैत... प्रार्थना करैत मन मे एकटा भरोस सेहो जगैत अछि जे जीवन मे सेहो फेर उजाला आएत. भरोसे पर त जिनगी कायम अछि.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


3 टिप्‍पणियां:

  1. NGO ko aage aana chahiye. Govt ko bhi rahat ke kaam me tejee lana chahiye. Ho sake to koi No. dene ka kasht karenge ya pata jispar madad bhej sake.

    जवाब देंहटाएं
  2. रक्षाबंधन पर हार्दिक शुभकामनाएँ!
    विश्व-भ्रातृत्व विजयी हो!

    जवाब देंहटाएं
  3. bihar me har saal baadh aabai chhai. koi dhayane na dait chhai. kena hotai. neta sab aabai chhai. badka badka baat karai chhai chal jaayat chhai.
    Mritunjay Kumar
    sitamarhi

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु