नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बंगाल के वाह-वाह

रेल बजट मे ममता बनर्जी पश्चिम बंगाल पर किछ बेसिए मेहरबान भेलीह. पश्चिम बंगाल के लेल कइटा घोषणा कएल गेल. बंगाल मे रेल के दुटा कारखाना लागत.  बंगाल के काचरपाड़ा मे एकटा नबका रेल कोच फैक्ट्री बनाएल जाएत. जखन कि आद्रा मे एक हजार मेगावाट क्षमता के बिजली कारखाना लगाएल जाएत.  
तुरंत नाम सं बारहटा नबका नॉनस्टॉप ट्रेन शुरू कएल जाएत.  आब अहां देखिऔ बंगाल के लेल कइटा मिलल... हावड़ा-मुंबई... दिल्ली-सियालदाह... कोलकाता-अमृतसर... हावड़ा-दिल्ली.  बारह मे सं चारिटा बंगाल सं.  आब कि चाही.  एकरे संग कोलकाता मेट्रो के विस्तार सेहो कएल जाएत.  पचासटा स्टेशन के वर्ल्ड क्लास के बनाएल जाएत.  एहि मे हावड़ा... सियालदह आओर न्यू जलपाईगुड़ी शामिल अछि .
मुम्बई मे जेना लेडीज स्पेशन ट्रेन चलैत अछि ओना कोलकाता मे सेहो चलत.  एकरे संग दूरदराज के इलाका सं सिटी... मेट्रो शहर तक के लेल स्पेशल ट्रेन चलाएल जाएत ओकर भाड़ा 299 रुपया सं लsक 399 रुपया तक रहत.  एहि के शुरुआत कोलकाता आओर दिल्ली के बीच पायलट आधार पर कएल जाएत.  शुरू मे ज्यादा दूरी के गाड़ी मे एकटा डॉक्टर सेहो रहत.  शुरू मे ई कोलकाता... दिल्ली... चेन्नई...  भुवनेश्वर के ट्रेन सं लागू कएल जाएत आओर एहि स्टेशन पर एंबुलेंस रहत.
ममता बनर्जी एहि बेर सं सुपरफास्ट पार्सल एक्सप्रेस ट्रेन शुरू करय जा रहल छथिन्ह.  ई तीन रूट पर शुरू कएल जाएत जेहि मे हावड़ा- तुगलकाबाद शामिल अछि.  तीन सय पचहत्तर टा जेहि स्टेशन के आदर्श स्टेशन बनाएल जाएत ओहि मे सं बेसि बंगाल दिस के स्टेशन अछि.
एहि रेल बजट मे 57 टा नबका ट्रेन शुरू कएल गेल अछि. आब अहां देख लिअ जे कइटा नबका गाड़ी बंगाल सं गुजरत.
- न्यू जलपाईगुड़ी - सियालदह - नांदेड़ सुपरफास्ट (सप्ताह मे तीन दिन)
- हावड़ा-बंगलुरु सुपरफास्ट ( साप्ताहिक)
- रांची- हावड़ा इंटरसिटी
- कामख्या -पुरी एक्सप्रेस (साप्ताहिक )
- गांधीधाम- हावड़ा सुपरफास्ट (साप्ताहिक)
- डिब्रूगढ टाउन -चंडीगढ एक्सप्रेस (साप्ताहिक)
-दिल्ली- फरक्का एक्सप्रेस (सप्ताह मे दु दिन)
- न्यू जलपाईगुड़ी- दिल्ली एक्सप्रेस (सप्ताह मे दु दिन)
- हावड़ा- हरिद्वार सुपरफास्ट (सप्ताह मे पांच दिन)
- नई दिल्ली- गुवाहाटी राजधानी एक्सप्रेस (साप्ताहिक)
- गुवाहाटी- न्यू कूचबिहार इंटरसिटी एक्सप्रेस (प्रतिदिन)
- बेलूरघाट- न्यू जलपाईगुड़ी एक्सप्रेस (प्रतिदिन)
- अलीपुरद्वार- न्यू जलपाईगुड़ी इंटरसिटी एक्सप्रेस (प्रतिदिन)
-कोलकता- रामपुर हाट एक्सप्रेस (प्रतिदिन)
- न्यू जलपाईगुड़ी- दीघा एक्सप्रेस (साप्ताहिक)
- पुरूलिया -हावड़ा एक्सप्रेस (सप्ताह मे दु दिन)
- कोलकता- बीकानेर एक्सप्रेस (साप्ताहिक)
जे गाड़ी के विस्तार कएल जाएत ओ एहि प्रकार सं अछि-
- अंडाल- सैंथिया के रामपुरहाट तक विस्तार (प्रतिदिन)
- झांसी- बैरकपुर के कोलकाता तक विस्तार (साप्ताहिक)
- सियालदह-नई दिल्ली के अमृतसर तक विस्तार (साप्ताहिक)
- रांची-अलीपुरद्वार के गुवाहाटी तक विस्तार (सप्ताह मे दु दिन)
- हावड़ा-आगर कैंट चंबल एक्सप्रेस मथुरा (साप्ताहिक)
- कोलकाता-मुर्शिदाबाद हजारद्वारी एक्सप्रेस के लालगोला तक विस्तार (प्रतिदिन)
- हावड़ा-भुवनेश्वर धौली एक्सप्रेस के पुरी तक विस्तार (प्रतिदिन)
- सियालदह-जयपुर के अजमेर तक विस्तार (प्रतिदिन)

Bookmark and Share

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु