नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

शरद पवार: विफल कृषि मंत्री ?

देश के कृषि मंत्री छथि मराठा क्षत्रप शरद पवार.  एकरे संग ओ दुनिया के सभसं पाय वाला क्रिकेट बोर्ड बीसीसीआई के अध्यक्ष सेहो छथिन्ह. कई बेर त लागए अ क्रिकेट मे एतेक बिजी भs जाए छथिन्ह कि अपन मंत्रालय पर ध्यान नहि द पाबय छथिन्ह.  आब देखिओ हिनका कृषि मंत्री रहैत देश मे गेहूं के कमी भेल...  दोसर देश सं गेहूं मंगाएल गेल.  विदेश सं ललका... सड़ल गेहूं आएल... देश के करोड़ो रुपया एहि मे बर्बाद भेल.  फेर दलहन के कमी भेल.  दाम आसमान पर चढ़ि गेल.  एहन भेल जे अरहर... राहर के दालि सय रुपया पर पहुंचि गेल.  दिल्ली मे शीला दीक्षित सरकार के दालि बेचय पड़ि रहल छनि.  आओर आब खबर आबि रहल अछि जे एहि बेर दिवाली मे चीनी के कमी सेहो पड़ि सकैत अछि.  त  दीपावली...  छठ मे बिना चीनी के काज चलाबय के लेल तैयार रहुं.
आब अहां एकरा कि कहबय ?  मुद्रास्फीति के दर दिन पर दिन नीचा जा रहल अछि मुदा बाजार मे ओकर कोनो असर दिखा नहि रहल अछि.  ई कोन सिस्टम अछि जे मुद्रास्फीति के दर... महंगाई दर के नीचा रहला पर सेहो खाए-पिबय के सामान के दाम ऊपर भागल जा रहल अछि ? आब अहिं सभ बताउ जे कि पवार जी अपन काज नीक सं नहि संभारि रहल छथि कि ?  कि ओ कृषि मंत्री के रूप मे विफल रहलाह ?  कि बात छै जे हुनका कार्यकाल मे हर साल कोनो नहि कोनो चीज के दाम आसमान पर पहुंचि जाएत अछि आओर ओकर भरपाई करय लेल विदेश सं बेसि दाम पर ओ चीज मंगाएल जाएत अछि?  कहिओ गेहूं ... त कहिओ दालि...  त कहिओ चीनी.  एना कहिआ तक चलत?  आम लोक एहन महंगाई सं कहिआ धरि हुक-हुक करैत रहत ?  एकर सभ के पाछा कि कारण अछि?  अपन विचार जरूर लिखब.

Share/Save/Bookmark

हमर ईमेल:- hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु