नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

आयकर रिटर्न के विज्ञापन मे गलत टॉल फ्री नंबर...

आई- काल्हि लोक सभ इनकम टैक्स रिटर्न भरय के प्रक्रिया मे लागल छथिन्ह.  सरकार... आयकर विभाग...  वित्त मंत्रालय के तरफ सं लोक के इनकम टैक्स भरय लेल प्रोत्साहित कएल जा रहल अछि.  बेसि सं बेसि लोक इनकम टैक्स भरैथि एकरा लेल जोर-शोर सं विज्ञापन अभियान टीवी-अखबार मे सेहो चलाएल जा रहल अछि. मुदा कि अहां के पता अछि जे इनकम टैक्स विभाग के तरफ सं जे विज्ञापन जारी करल गेल अछि ओहि मे गलत नम्बर देल गेल अछि. 

                                                      इनकम टैक्स रिटर्न भरय के अंतिम दिन अछि 31 जुलाई.  रिटर्न  31 जुलाई सं पहिले भरि देल जाए एकरा लेल लागल छलहुं.  ऑफिस मे सभ के विचार भेल जे एहि बेर टीआरपीएस के बुला लेल जाए.  किछ पाई लेत मुदा झंझट सं मुक्त रहब. इनकम टैक्स विभाग के तरफ सं  पेपर मे जारी विज्ञापन देखि टॉल फ्री नंबर  1800-11-23738 पर फोन लगाबय लगलहुं.  मुदा किया लागत.  एक बेर भेल...  दू बेर भेल...  परेशान भ गेलहुं.  थकि-हारि कs आयकर सम्पर्क केंद्र के नंबर पर सम्पर्क कएलहुं त पता लागल जे विज्ञापन मे जे नंबर देल जा रहल अछि ओ त गलत अछि.
                                                              इनकम टैक्स डिपॉर्टमेंट के विज्ञापन मे गलत नंबर.  ई सुनतहि चौंकि पड़लहुं.  एकरा अहां कि कहबय.   हमरा जकां त हजारों लोक परेशान भ गेल होताह.  जे लोक आयकर सम्पर्क केंद्र फोन क  नहिं पता कएने होएथिन्ह हुनका नवका नंबर के पता नहिं चलल होतन्हि.  आब एकरा कि कहबय... लोक के सुविधा के बदला ई त परेशान करय के बात भ गेल.

              आयकर विभाग के तरफ सं  देश  भर के करीब 80 शहर मे सय ठाम चारि हजार के करीब एहन लोक के तैयार कएल गेल अछि जे अहां के इनकम टैक्स रिटर्न भरय मे मदद करताह.  आयकर विभाग के ई योजना टीआरपीएस के नाम सं जानल जाएत अछि.  एहि मे अहां के कम सं कम 250 रुपया के न्यूनतम शुल्क पर विभाग के ट्रेंड आदमी अहां के रिटर्न भरय मे मदद करताह.  मुदा टीआरपीएस... Tax Returns Preparers के नंबर त लोक के परेशान करय वाला अछि.  त आब विज्ञापन मे देल गेल नंबर पर फोन नहि कर अहां सभ एहि नंबर पर फोन करु... 1-800-10-23738

ओना आब टीआरपीएस के साइट पर नंबर सही करि देल गेल अछि. त विज्ञापन के फेर मे नहि रहुं आओर नवका नंबर 1800-10-23738 पर फोन कs जानकारी लिअ.

Share/Save/Bookmark


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु