नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

कि तैयार अछि भारत ?

एकटा खबर आएल अछि जे चीन तीन साल के भीतर भारत पर हमला कs सकैत अछि. रिपोर्ट आएल अछि इंडियन डिफेंस रिव्यू मे. इंडियन डिफेंस रिव्यू के एडिटर भरत वर्मा जीक कहनाय छनि जे चीन 2012 तक भारत पर हमला कs सकैत अछि. हुनकर बात पर यकीन कएल जाए त चीन अपन देश मे बढ़ैत बेरोजगारी... खराब आर्थिक हालात... मंदी सं फैलत असंतोष के खत्म करय लेल... लोक के ध्यान बंटाबय लेल एना कs सकैत अछि.
एहि हमला के बाद चीन दुनिया मे अपन वर्चस्व कायम करय के कोशिश करत. चीन के कम्युनिस्ट सरकार के खिलाफ लोक के विरोध से मुखर भs रहल अछि... समाज पर कम्युनिस्ट सरकार के पकड़ कमजोर भ रहल अछि. पार्टी मे नेतृत्व के प्रति विरोध बढ़ि रहल अछि. एहन मे चीन भारत पर हमला कs दय त कोनो अचरज के बात नहि.
मुदा सवाल उठय अछि कि अगर चीन हमला कs दैत अछि त भारत ओकरा जवाब देबय के लेल तैयार अछि. त जवाब साफ अछि...नहि. इंडियन डिफेंस रिव्यू के रिपोर्ट मे ईहो कहल गेल अछि जे भारत... चीन के हमला के जवाब देबय लेल तैयार नहि अछि. जमीनी स्तर पर भारत के जे तैयारी अछि ओ चीन सं हमला के निपटय लेल नहि अछि.
ई देश के लोक के लेल... हुक्मरान के लेल... बड़का चिंता के बात अछि. चीन एक बेर पहिनहु भारत पर हमला करि चुकल अछि... ओहो भारत-चीनी भाई-भाई के नाम पर... एक बेर पहिनहुं पीठ मे छुरा भोंकी चुकल अछि. एहि लेल चीन पर त कहिओ भरोसा नहि कएल जा सकैत अछि. भारत के एकटा बड़का भू-भाग पर कब्जा सेहो कएने अछि. अक्साईचीन पर त कब्जा कएनहि अछि संग संग ओ सिक्किम... अरुणाचल प्रदेश पर अपन दावा ठोंकैत रहैत अछि... धौंस दैत रहैत अछि. धौंस एहन जे प्रधानमंत्री के अरुणाचल दौरा पर अपन विरोध जताबैत अछि. मुदा भारत के रूख ओहे सभ दिन जकां सुस्त.
ओ भारत के अस्थिर करय लेल भारत के पड़ोसी देश के उकसाबैत रहैत अछि. सैन्य सहायता दैत रहैत अछि. भारत के चारु कात सं घेरय के उपाय कs लेने अछि. पाकिस्तान... हिन्द महासागर... म्यांमार ( बर्मा) सभ ठाम अपन पैठ बना लेने अछि. आब त नेपाल मे सेहो काफी किछ प्रभाव बना लेने अछि. सड़क सम्पर्क के जाल बिछा देने अछि आओर ओ रेल सम्पर्क बैसाबय मे सेहो लागल अछि. परम्परा के उलट नेपाल के तत्कालीन प्रधानमंत्री प्रचंड जी सभसं पहिने चीन गेलाह. चीन सेहो खुलि कs नेपाल के मदद करि रहल अछि. सभ क्षेत्र मे अपन पैठ बना रहल अछि. पाकिस्तान के परमाणु सहायता त दए रहल अछि.
मुदा भारत के नेता सभ के राज्य के पार्टी-पॉलिटिक्स सं फुरसति होए तखन न. भारत के नेता सभ के चिंता रहय छनि के हमरा राज्य मे केना सभ सं बेसि फंड आबय... दफ्तर आबय... रेल आबय. सिर्फ अपन चुनाव क्षेत्र के चिंता रहय छनि. देश के चिंता नहि. ओ दिन कहिआ आएत जखन भारत के सही मायने मे एकटा देश के वित्त मंत्री आओर रेल मंत्री मिलत... जे पूरा देश के एक नजर सं देखतिन्ह.
चीन के देखैत भारत के तैयारी एहन अछि जे अहां देखब त चीन आओर नेपाल सं लागल सीमा पर भारत के नहि त सड़क सम्पर्क नीक अछि नहि रेल सम्पर्क. रोड के हाल ई अछि जे बैल गाड़ी तक नीक सं नहि चलत. चीन सं लड़य के लेल भारत के नेपाल सं गुजरय पड़त. मुदा नेपाल के बॉर्डर इलाका वाला बिहार... यूपी...पूर्वोत्तर के शहर के हाल त आओर खराब अछि. केना गुजरत एम्हर सं सेना के काफिला. एयरफोर्स के हवाईअड्डा किछ खास –खास दूरी पर बनाबय के जरूरत अछि. ओकरा देखरेख के जरूरत अछि...से नहि होएत अछि. पूर्वोत्तर भारत के हाल ओहिना खराब अछि. विदेशी ताकत पूर्वोत्तर मे उग्रवादी संगठन के शह से दैत रहैत अछि. एम्हर इंफ्रास्ट्रक्चर के हाल एकदम बेहाल अछि. सरकार के पूरा ध्यान मेट्रो पर रहैत अछि.
सेना के ताकत के मामला मे चीन शुरू सं भारत के मुकाबला बीस साबित होएत रहल अछि. अखन धरि भारत के जतेक सैन्य तैयारी होएत रहल ओ पाकिस्ताव जैसन छोट देश के खिलाफ होएत रहल. भारत ... पाकिस्तान पर अटकल रहल जखन कि चीन... भारत के चारु कात सं घेरैत रहल. तीनु सेना होए आ परमाणु हथियार सभ मे चीन भारत सं बड़ आगां अछि.  ओकर तैयारी चुस्त अछि. हथियार त तीन-तीन...चारि-चारि गुना बेसि अछि. आओर ओ भारत जका कोनो मामला पर छह-पांच मे नहि रहैत अछि जे करय के रहैत अछि ओकरा नौ-छह कए दैत अछि. ओ अपन हित के मामला के भारत जका लंबित नहि रखैत अछि. तुरंत फैसला लैत अछि. मुदा भारत मे त मीटिंग पर मीटिंग... मीटिंग पर मीटिंग आओर नतीजा वहे ढाक के तीन पात.
Bookmark and Share

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु