नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

कारोबार के लेल बेहतर शहर कोन ?

बिहार के हालात सुधरि रहल अछि. विकास के रास्ता पर धीरे-धीरे आगां बढ़ि रहल अछि. प्रशासनिक सुधार भs रहल अछि . ई बात आब दुनिया सेहो मानय लागल अछि. कहल त ई जा रहल अछि जे कोनो कारोबार शुरू करय के लेल दिल्ली के बाद पटना देश मे सभस नीक जगह अछि. विश्व बैंक सं जुड़ल अंतरराष्ट्रीय वित्त निगम    ( IFC ) ...  वाणिज्य मंत्रालय आओर भारतीय उद्योग परिसंघ के एकटा रिपोर्ट मे कहल गेल अछि जे पटना मे कोनो कारोबार करनाय सभस सस्ता अछि. पटना मे बिजनेस करय मे लागत कम आबैत अछि. एहि सं इहो पता चलैत अछि जे बिहार आब औद्योगिक रूप सं सेहो ऊपर आबि रहल अछि. 
 
'भारत मे कारोबार परिचालन 2009' नामक एहि रिपोर्टक मुताबिक अगर अहां कोनो कारोबार शुरू करय चाहैत छी त मुंबई सं बेहतर शहर पटना अछि. एहि रिपोर्ट मे देश के ओहि 17 शहर के चुनल गेल अछि जे कारोबार शुरू करय के लिहाज सं नीक अछि. जयपुर... हैदराबाद आओर भुवनेश्वर के सेहो कारोबार शुरु करये के लेल नीक मानल गेल अछि. ओना सत्रह शहर मे पटना चौदहवां स्थान पर अछि. मुदा चैनई... कोलकाता पटना सं पाछां अछि.
कोनो कारोबार... बिजनेस के शुरू करय मे जे लागत... खर्च आबैत अछि... मंजूरी मे जे समय लगैत अछि... ओकरा संग-संग ठेका के मामला मे सेहो पटना के दोसर ठाम से नीक स्थान देल गेल अछि. नीतीश सरकार के लेल ई रिपोर्ट एकटा मोरल बुस्टर के काज सेहो करत. किएक त रिपोर्ट सं पता चलैत अछि व्यापारी सभ के लेल कारोबारी प्रक्रिया आसान भेल अछि. प्रशासनिक स्तर पर सुधार भेलाह सं हालात बदलल अछि...आ बिहार धीरे-धीरे विकास के मार्ग पर बढ़ि रहल अछि.
रिपोर्ट मे इहो कहल गेल अछि जे मुंबई आओर नोएडा मे कोनो बिजनेस काफी जल्दी शुरू कएल जा सकैत अछि. जखन कि पटना मे बिजनेस शुरू करनाय सभ सं कम खर्चीला अछि... सस्ता पड़ैत अछि. रिपोर्ट के अगर देखल जाए त पता चलत जे लुधियाना... जयपुर आओर नोएडा मे टैक्स के पेमेंट सभस आसान अछि जखन कि चेन्ने... कोलकाता आओर पटना मे कर अदायगी काफी मुश्किल काज अछि.
एहि सभ शहर के रैंकिंग सातटा मानक के आधार पर कएल गेल अछि. जेहि मे कारोबार के शुरुआत... कंस्ट्रक्शन परमिट सं जुड़ल मामला... प्रॉपर्टी केर रजिस्ट्रेशन... कर भुगतान... सीमापार व्यापार... कॉन्ट्रैक्ट एनफोर्समेंट आओर कारोबार बंदी शामिल अछि.
रिपोर्ट के अनुसार सूची मे सभसं ऊपर अछि लुधियाना... कारोबार शुरू करने के लेल लुधियाना सभ दृष्टि सं आगां अछि . रिपोर्ट मे इहो कहल गेल अछि जे पिछला तीन साल मे देश मे कारोबार के माहौल मे काफी बदलाव आएल अछि. पहिले के तुलना मे आब कारोबार करनाय आसान भ गेल अछि. मुदा दोसर देश के तुनला मे भारत अखनो काफी पाछा अछि.
Bookmark and Share

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु